नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रोजगार के नबका रास्ता...

आई बाढ़ि प्रभावित इलाका सं आएल किछ लोक सं गप्प होए छल. बाढ़िक बात सुनाबय लगलाह. केना चारु कात पानि ए पानि देखायत छल आओर किछ नहिं. इलाका के इलाका दहा गेल. कतेक लोक मारल गेल तकर कोनो ठिकान नहिं. बड़का- बड़का धनिक लोक सभ कंगाल भs गेलाह. कोनो चीजक नामोनिशान नहिं रहल. माल-जाल... कपड़ा -लत्ता... घर-दलान सभ बहि गेल. जेना-तेना कs लोक अपन जान बचएलाह. किछ लोक त केला के थम्ब के नाव जकां काज मे लाs केहुना जान बचएलाह. केला के बड़ाई होए लागल जे केलाक थम्ब नहिं रहैत त जान बचैनाय आफत रहैत. केला के थम्ब पर गप्प निकलल त इहो पता लागल जे खगड़िया के परबत्ता प्रखंड मे एकटा गाम अछि उदयपुर. एहि ठाम महिला सभ केला के थम्ब सं रेशा निकालि कs चटाई... फूलपत्ती... माला... थैला बना रहल छथिन्ह. ई सभ बनाबय के ट्रेनिंग नेहरु युवा केंद्र सं देल गेल अछि. नेहरु युवा केंद्र के लोक सभ एहि के लेल बधाई के पात्र छथिन्ह. जे ओ स्थानीय लोक सभ के रोजगार के ई ट्रेनिंग देलखिन्ह. लोक सभ मे एकटा नवका हुनर विकसित कएलखिन्ह. रोजगार के एकटा नवका रास्ता दिखएलखिन्ह. सरकार के सेहो चाही जे बेसि सं बेसि बेरोजगार लोक एहि कला के ट्रेनिंग लs स्वरोजगार के रास्ता अपनाबैत.

आमतौर पर ई होइ छै जे केला के गाछ.. घौर कटाएला के बाद ओहिना छोड़ि देल जाएत अछि या जतय बेसि खेती होइ छै ओतेय खेते में छोड़ि देल जाएत अछि. मुदा ई रोजगार के एकटा नव रास्ता सेहो प्रदान करि रहल अछि. खोज-खबर लेलाह पर ईहो पता चलल जे हाजीपुर के कृषि विज्ञान केन्द्र मे सेहो केला के थम्ब सं रेशा निकालय के ट्रेनिंग देल जाइत अछि. ई केंद्र कृषि के क्षेत्र मे नीक काज कsरहल अछि. एहिठाम थम्ब सं रेशा निकालय लेल दु टा मशीन सेहो लागल अछि. एहिठाम गाम -घर के लोक सभ के व्यवसायिक प्रशिक्षण देल जाएत अछि जाही सं लोक स्वरोजगार के माध्यम सं अपन आर्थिक स्थिति नीक कs सकथिन्ह. ट्रेनिंग हफ्ता भर के होएत अछि. इ केंद्र केला के थम्ब सं रेशा निकालय के ट्रेनिंग देबय के संग ओहि सं बनल सामान के केना बेचय जाय...कहां बेचल जाय एकर जानकारी सेहो दैत अछि. अहां सभ के अगर एहि सं जुड़ल कोनो जानकारी के जरूरत होय त अहां एहि पता पर सम्पर्क कs सकय छी.

कार्यक्रम समन्वयक,

कृषि विज्ञान केन्द्र,

हरिहरपुर, हाजीपुर

पिन- 844101, बिहार.

फोन/फैक्स - (06224)-276595


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु