मधेपुरा आओर सीतामढ़ी इंजीनियरिंग कॉलेज मे एहि सत्र मे एडमिशन शुरू नहिं होएत. असल मे एहि कॉलेज मे अखन धरि इंफ्रास्ट्रक्चर के काज पूरा नहिं भेल अछि. ओना सरकार एहि साल मधेपुरा... सीतामढ़ी आओर चंडी मे नवका इंजीनियरिंग कॉलेज खोलय चाहैत छल मुदा सिर्फ चंडी मे खुलि सकल. मधेपुरा आओर सीतामढ़ी मे आब अगिला सत्र सं एडमिशन होएत. ओना सरकार पहिने सं बंद तीन-टा इंजीनियरिंग कॉलेज... दरभंगा के जेएमआईटी, मोतिहारी के इंडियन कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग आओर गया के मगध कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग के खोलय मे सफल भेल. एहि सभ कॉलेद के लेल दु ...दु करोड़ रुपया देल गेल. आओर सभ कॉलेज मे 240- 240 टा सीट अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment