दिनकर जन्मशती के मांग ठुकराएल गेल

राष्ट्रकवि रामधारी सिंह दिनकर जीक जन्मशती समारोह मनाबय के लेल राष्ट्रीय समिति बनाबय के मांग प्रधानमंत्री ठुकरा देलखिन्ह. ओना एहि बारे मे प्रधानमंत्री संस्कृति मंत्री अंबिका सोनी सं चर्चा कएने छलखिन्ह. दिनकरजी क जन्मशती देशभर मे मनाबय लेल कइटा सांसद आओर संस्था सभ प्रधानमंत्री केर अध्यक्षता मे एकटा राष्ट्रीय समिति बनाबय के मांग कएलखिन्ह. पूर्व मानव संसाधन मंत्री मुरली मनोहर जोशी के नेतृत्व मे एकटा प्रतिनिधिमंडल प्रधानमंत्री सं मिलल सेहो छलखिन्ह.

राष्ट्रकवि दिनकर जीक जन्म 23 सितम्बर 1908 के बेगूसराय के सिमरिया मे भेल छलन्हि. 1952 मे राज्यसभा के लेल सेहो मनोनीत कएल गेल छलखिन्ह आओर 1959 मे हिनका पद्मभूषण सं सम्मानिक कएल गेल छलन्हि. हिनकर किताब 'संस्कृति के चार अध्याय' के साहित्य अकादमी पुरस्कार आओर ' ऊर्वशी' के ज्ञानपीठ पुरस्कार मिलल छलन्हि. ओना साहित्य अकादमी अगिला साल फरवरी मे दिनकरजी पर अंतरराष्ट्रीय संगोष्ठी करय जा रहल अछि. साहित्य अकादमी हुनकर जीवन आओर कृतित्व पर एकटा वृत्तचित्र सेहो बना रहल अछि.


Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

मेरे मेहदी हसन