सहरसा मे रवि दिन 30 नवम्बर सं डीपीएस के कामकाज शुरू भs रहल अछि. 1 अप्रैल सं स्कूल के पढ़ाई शुरू होएत ओकरा लेल रजिस्ट्रेशन शुरू भs रहल अछि. रवि दिन सं एहिठाम डीपीएस के लेल फॉर्म मिलिनाय आ भरनाय शुरू भs जाएत. फॉर्म भरयला के बाद एडमिशन के लेल लिस्ट निकालल जाएत जकरा बाद दाखिला केर प्रक्रिया शुरू भs जाएत. डीपीएस के संग एकटा नीक बात ई रहय छै जे एहि मे पढ़ाई लिखाय के संग दोसर गतिविधि सभ पर सेहो बड़ ध्यान देल जाइत अछि. पुस्तकालय... कम्प्यूटर... पैंटिंग... जीके... डांस... खेलकूद सभ पर बराबर ध्यान रहय छनि. एहि ठाम बच्चा लोकनि के सभ तरहक विकासक शिक्षा देल जाएत अछि. समग्र विकास पर जोर देल जाएत अछि. ओना ई इलाका बाढ़ि प्रभावित इलाका अछि आओर कोसी के तबाही सं अखन धरि उबरल नहिं अछि. तकरा लेल डीपीएस के ई बातक ध्यान राखय पड़तन्हि जे फीस एहि तरहे राखल जाए जाही सं कमजोर तबका के विद्यार्थी के पढ़य मे कोनो दिक्कत नहिं होय. ओहन गार्जियन के फीस देबय मे बेसि नहिं अखरय जिनकर सभ किछ बाढ़ि मे बहि चुकल छनि मुदा अपन नुनु के आगां पढ़ाबय... लिखाबय चाहय छथिन्ह. आईकाल्हि कई ठाम डीपीएस के फ्रैंचाइजी टाइपक स्कूल खुलि गेल अछि जेहि मे मनमाना फीस वसूलल जाइत अछि. कॉलेज सं बेसि खर्च प्राइमरी...नर्सरी मे आबि जाइत अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
पहिल बेर आहांक ब्लॉग पर आएल छी. जानकारी देबाक लेल धन्यवाद.
ReplyDeleteआहांक
महेश
http://popularindia.blogspot.com