अखनो राहत नहिं

कोसी के बाढ़ि अएला कतेक दिन भेल. बाढ़ि प्रभावित इलाका के छोड़ि देल जाए त कतेक लोक एकरा भूलि गेल होताह. मुदा तीन मास बितला के बादो कइटा इलाका एहन अछि जे राहत के लेल तरैस रहल अछि. बाढ़ि के कारण विकास तं प्रभावित भेले अछि बाढ़िक कहर सेहो कम नहिं भेल अछि. अखनो बड़ लोक एहन छथिन्ह जे बुनियादी सुविधा सं वंचित छथिन्ह. दूर दराज के गाम मे राहत केर सामान नहिं पहुंचल अछि. अगर मिलबो करल अछि त एतेक कम जे नहिं मिलला के बराबर समझु. लोक अखनो सरकार दिस... एनजीओ दिस टकटकी लगौने छथिन्ह जे आई नहिं काल्हि किछ मदद...राहत जरूर मिलत. खबर इहो अछि जे किछ एहन महिला जिनकर पति एहि बाढ़ि मे स्वर्गवासी भs गेलखिन्ह... सरकार ओहन महिला के परिवार के मुखिया नहिं मानि रहल अछि जाहि सं ओहि विधवा महिला के राहत नहिं मिलि पाबि रहल अछि. इलाका के लोक सभ के एहि बात पर ध्यान देबाक चाही. अगर एहि तरहक कोनो मामला हुनका सामने आबय त ओकर समाधान तुरंत होबाक चाही आओर ओहि विधवा महिला के पूरा सरकारी राहत मिलबाक चाही.


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

फेर अगुआ बनत बिहार

केंद्र मे हारल बिहार...

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव