सोनपुर मेला मे मिथिला


दुनियाभर मे प्रसिद्ध सोनपुर पशु मेला मे एहि बेर मिथिलाक लोककला आओर संस्कृतिक झलक देखय लेल मिलत. मेला मे 27 नवम्बर सं 2 दिसम्बर धरि कई तरहक सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन कएल गेल अछि. एहि मे 28 नवम्बर के मिथिलाक लोक नृत्यक कार्यक्रम ऱाखल गेल अछि. ई कार्यक्रम पेश करताह मधुबनी जनजागरण युवा समिति के कलाकार सभ. कलाकार मे शामिल छथिन्ह स्वाति साह... मृत्युजंय साह... कुमारी निशा... अमृता साह... नीतेश... पुष्पम झा... स्वाति झा... प्रभात राय... रंजीत ठाकुर... राजा शर्मा... लक्ष्मी कुमारी... उत्तीम लाल राम... भावना झा... दीनानाथ मिश्र... प्रीति प्रिया... ज्योति प्रिया... मनोज झा हर्ष...आओर ललित झा . ई कलाकार सभ झिझिया... झरनी आओर पमरिया नाच सं लोक के मिथिलांचलक लोकसंस्कृति सं परिचित करौथिन्ह.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

Photos: बिहार महोत्सव दिल्ली पार्ट 2

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा