स्वरोजगार के लेल ऋण

दरभंगा प्रशासन के ओर जिला केर 260 टा विकलांग के स्वरोजगार के अवसर प्रदान कएल जाएत. एहि के लेल एकटा विशेष कार्यक्रम बनाएल गेल अछि. उप विकास आयुक्त केर अनुसार दरभंगा... केवटी... बहादुरपुर... बहेड़ी... जाले आओर सिंघवाड़ा प्रखंड सं 20-20 आओर हायाघाट... हनुमाननगर... मनीगाछी आओर ताराडीह सं 10-10 विकलांग के चयन कएल जाएत. एहिना बेनीपुर आओर अलीनगर सं 10-10 जखन कि बिरौल सं 20 आओर गौराबौराम... घनश्यामपुर... किरतपुर... कुशेश्वरस्थान पूर्वी आओर पश्चिमी सं 10-10 विकलांग के चुनल जाएत. प्रखंड स्तर पर विकलांग के चयन केर संग प्रखंड अधिकारी आओर बैंक के ऋण देबय के लक्ष्य सेहो तय करि देल गेल अछि. प्रशासन के कोशिश विकलांग सभ के बैंक के मार्फत सं स्वरोजगार के अवसर देल जाए... जाहि सं ओ आत्मनिर्भर बनि सकथि.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)