दरभंगा प्रशासन के ओर जिला केर 260 टा विकलांग के स्वरोजगार के अवसर प्रदान कएल जाएत. एहि के लेल एकटा विशेष कार्यक्रम बनाएल गेल अछि. उप विकास आयुक्त केर अनुसार दरभंगा... केवटी... बहादुरपुर... बहेड़ी... जाले आओर सिंघवाड़ा प्रखंड सं 20-20 आओर हायाघाट... हनुमाननगर... मनीगाछी आओर ताराडीह सं 10-10 विकलांग के चयन कएल जाएत. एहिना बेनीपुर आओर अलीनगर सं 10-10 जखन कि बिरौल सं 20 आओर गौराबौराम... घनश्यामपुर... किरतपुर... कुशेश्वरस्थान पूर्वी आओर पश्चिमी सं 10-10 विकलांग के चुनल जाएत. प्रखंड स्तर पर विकलांग के चयन केर संग प्रखंड अधिकारी आओर बैंक के ऋण देबय के लक्ष्य सेहो तय करि देल गेल अछि. प्रशासन के कोशिश विकलांग सभ के बैंक के मार्फत सं स्वरोजगार के अवसर देल जाए... जाहि सं ओ आत्मनिर्भर बनि सकथि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment