नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैथिली फिल्म

    मैथिल भाई लोकनि के लेल एकटा नीक खबर अछि.  जल्दीए अहां सभ के एकटा आओर मैथिली फिल्म देखय के लेल मिलत.  फिल्मक नाम अछि  " हमर अपन गाम, अपन लोक "  हमरा कनि विशेष खुशी भs रहल अछि किएक त एहि फिल्मक मुहूर्त हमर अपन ब्लॉक केवटी के खराज गाम मे भेल.  फिल्मक मुहूर्त  विधायक अशोक कुमार यादव जी कएलखिन्ह.   फिल्म के डॉयरेक्टर छथिन्ह मनोज झा आओर प्रोड्यूसर छथिन्ह कल्याणी झा. फिल्म केर निर्माण भ रहल अछि कल्याणी इंटरटेनमेंट के बैनर सं.  फिल्म मे मिथिलाक बाढ़ि... रौदी... बेरोजगारी... पिछड़ापन... विकासक अनदेखी के कारण लोकक पलायन के मुद्दा उठाएल गेल अछि.  एहि फिल्म मे ई देखायल जा रहल अछि जे पलायन... गाम घर सं दूर भेलाह के बादहिं लोक अपन माटि...पानि के नहिं बिसरा पाबय छथि.  एकरे संग ओहन लोकक के फेर सं मिथिला सं जोड़य के कोशिश कएल जा रहल अछि जे अपन जड़ि सं कटि चुकल छथिन्ह... अपन परम्परा...संस्कृति के बिसरा चुकल छथिन्ह.  कोशिश त नीक अछि.  फिल्म के कलाकार छथिन्ह पिंकू श्रीवास्तव... सपन कुमार.... जूली कुमारी आओर  मनोज राणा.  फिल्म मे संगीत द रहल छथिन्ह परमानंद मकुनमा.   गायक- गायिका मे त बड़ पैघ नाम सभ छथिन्ह कुमार शानू... मो अजीज... अनुराधा पौडवाल... रेखा राव.   एहि फिल्म के स्क्रीप्ट राइटर छथिन्ह प्रेम सागर. फिल्म के शूटिंग छठ के दिन 5 नवम्बर सं होएत.  शूटिंग खराज गाम... रैयाम चीनी मिल... सुक्की डैम... राजनगर कैम्पस मे होएत. त इंतजार करु फिल्म के सिनेमा हॉल मे आबय के.

    1 टिप्पणी:

    1. e samachar suni k man gad gad va gel.ai film k sampurna unit ka hum aa sampurna maithil vasi k taraf sa subhakamna aahi.
      Jai Maithili!!!,Jai Mithila!!!

      जवाब देंहटाएं

    अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु