सकरी-बिरौल रेल लाइन उद्घाटन आब 5 दिसम्बर के

सकरी- बिरौल रेल लाइनक उद्घाटन आब 5 दिसम्बर के होएत. पहिने एकर उद्घाटन एक दिसम्बर के होए वाला छल . मुदा पूर्व प्रधानमंत्री वी पी सिंह जीक निधन के कारण एकरा बढ़ा कs आगां कs देल गेल अछि. रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव जी बिरौल मे एकर उद्घाटन करताह. खबर अछि जे बिरौल सं सकरी लाइन पर रेल अखन सकरी S तक चलत. लोक सभ एहि बात सं दुखी छथिन्ह. ओ रेल मंत्री सं मांग करथिन्ह जे रेल दरभंगा तक चलाएल जाए जाही सं लोक के सुविधा होए. ओना दरभंगा आबय लेल पहिने सकरी आ s क रुकु फेर सकरी सं दोसर ट्रेन पकड़ि दरभंगा जाउ. ओना 5 तारीख के लालूजी के व्यस्त कार्यक्रम छनि. एहि दिन ओ दरभंगा सं मुजफ्फरपुर के बीच नवका रेल परियोजना केर शिलान्यास सेहो करताह. एहि परियोजना के आधारशिला ओ सिंघवाड़ा मे रखताह. सिंघवाड़ा मे हुनकर कार्यक्रम के लs क जोर शोर सं तैयारी भs रहल अछि. सिंघवाड़ा सं अएला केर बाद ओ दरभंगा रेलवे स्टेशन सं पुरी के लेल नवका ट्रेन के झंडा दिखा कs रवाना करताह.

Comments

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप