सकरी- बिरौल रेल लाइनक उद्घाटन आब 5 दिसम्बर के होएत. पहिने एकर उद्घाटन एक दिसम्बर के होए वाला छल . मुदा पूर्व प्रधानमंत्री वी पी सिंह जीक निधन के कारण एकरा बढ़ा कs आगां कs देल गेल अछि. रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव जी बिरौल मे एकर उद्घाटन करताह. खबर अछि जे बिरौल सं सकरी लाइन पर रेल अखन सकरी S तक चलत. लोक सभ एहि बात सं दुखी छथिन्ह. ओ रेल मंत्री सं मांग करथिन्ह जे रेल दरभंगा तक चलाएल जाए जाही सं लोक के सुविधा होए. ओना दरभंगा आबय लेल पहिने सकरी आ s क रुकु फेर सकरी सं दोसर ट्रेन पकड़ि दरभंगा जाउ. ओना 5 तारीख के लालूजी के व्यस्त कार्यक्रम छनि. एहि दिन ओ दरभंगा सं मुजफ्फरपुर के बीच नवका रेल परियोजना केर शिलान्यास सेहो करताह. एहि परियोजना के आधारशिला ओ सिंघवाड़ा मे रखताह. सिंघवाड़ा मे हुनकर कार्यक्रम के लs क जोर शोर सं तैयारी भs रहल अछि. सिंघवाड़ा सं अएला केर बाद ओ दरभंगा रेलवे स्टेशन सं पुरी के लेल नवका ट्रेन के झंडा दिखा कs रवाना करताह.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment