दरभंगा मे एचआईवी मरीज के संख्या बढ़ि रहल अछि. एहि साल अक्तूबर तक करीब सोलह सय लोक एचआईवी जांच के लेल अएलाह जेहि मे सं 360 लोक मे एचआईवी पॉजिटिव पाएल गेल. ई आंकड़ा एकदम चौंकाबय वाला अछि. दरभंगा के बिहार एड्स नियंत्रण समिति के स्वैच्छिक परामर्श आओर जांच केंद्र मे पहिने साल मे तीस...चालीस टा मरीज आबय छल . मुदा एहि बेर जांच कराबय वाला लोक के संख्या काफी बढ़ि गेल अछि. सरकार के एहि लेल इलाका मे जोर- शोर सं जागरूकता अभियान चलाबय के जरूरत अछि. ई रोग ओना त गलत संसर्ग के कारण होएत अछि मुदा कई बेर गलत ढंग सं खून चढ़ा देल गेला सं सेहो भS जाएत अछि. कई बेर खून के जरूरत भेलाह पर ठीक सं जांच कएला के बगैर मरीज के एचआईवी संक्रमित खून चढ़ा देल जाएत अछि. एहि के लेल सरकार के ब्लड बैंक पर लगाम सेहो लगाबय पड़त आओर जांच प्रक्रिया के सख्त करय पड़त. कई बेर त एकहिं सीरिंज... निडिल सं कइटा मरीज के खून चढ़ा देल जाइत अछि. मरीज के खुद सावधानी सेहो बरतबाक चाही.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment