अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन एहि बेर 22-23 दिसम्बर के चेन्नई मे होएत. दु दिन केर एहि सम्मेलन मे 31 लोक के मिथिला रत्न सम्मान सं सम्मानित सेहो कएल जाएत. सम्मानित कएल जाए वाला लोक मे हिंदी के समालोचक मैनेजर पांडेय जी सेहो शामिल छथिन्ह. देवकीनंदन खत्री जीके ई सम्मान मरणोपरांत देल जाएत. दोसर लोक मे डॉ प्रभाकर पाठक... गीतकार चन्द्रमणि... सियाराम झा सरस... विलट पासवान विहंगम... डॉ सुरेश्वर झा आओर लक्ष्मीनाथ झा शामिल छथिन्ह. सम्मेलन के उद्घाटन नेपाल के राष्ट्रपति डॉ. राम वरण यादव करताह. जखन कि नेपालक मंत्री रामचंद्र झा सम्मेलन मे मुख्य अतिथि रहताह. एहि बातक जानकारी अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन के महामंत्री डॉ बैजनाथ चौधरी बैजूजी दरभंगा मे देलखिन्ह. बैजूजी इहो कहलथिन्ह जे सम्मेलन मे तमिलनाडु केर मुख्यमंत्री करुणानिधि सेहो अएताह.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
शुभकामनाऐं.
ReplyDeleteबड्ड नीक खबरि सुनेलहुँ।
ReplyDelete