नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सड़क निर्माण मे देरी

नीतीशजी जखन मुख्यमंत्री बनल छलाह त गाम घर दिस सड़क सभ मे हाथ लागल छल. लागैत छल जे आब गाम घर हाल फिरत मुदा आब फेर सभ किछ पहिने जकां लगि रहल अछि. कखनो-कखनो लगैत अछि जे कि बिहार कहिओ नहिं बदलत कि ? दिल्ली सं गाम दिस गेलाह पर दरभंगा तक तं सभ किछ नीक रहैत अछि मुदा दरभंगा मे ट्रेन सं उतरि बसि पर चढतहिं रोडक हाल देखि सभ उत्साह ठंडा भs जाएत अछि. 16 किलोमीटर जाए मे डेढ सं दु घंटा... मन खिसिआ जाइत अछि. कतेक अंतर अछि बिहारक आओर दोसर ठामक रोड मे. ई मानि सकय छी जे कोसी वाला इलाका मे बाढ़ि के कारण सड़क बहि गेल मुदा कोसी के बाढ़ि प्रभावित इलाका के त गप्प छोडु... मिथिलाक दोसर इलाका मे सेहो सड़कक हाल बड़ खराब अछि.
उत्तर बिहार के चारिटा जिला दरभंगा... मधुबनी... समस्तीपुर आओर वैशाली मे सड़क निर्माण के काज कछुआ गति सं चलि रहल अछि. एहि चारु जिला मे स्टेट हाईवे के निर्माण मे केंद्रीय एजेंसी इरकॉन लागल अछि. मुदा काज बड़ धीरे -धीरे चलि रहल अछि. सरकार के तरफ सं इरकॉन के समय पर काज पूरा करय के निर्देश देल गेल अछि. मुदा लागि नहिं रहल अछि जे काज समय पर पूरा होएत. ओना इरकॉन क कहनाय अछि जे दिसम्बर तक एहि जिला मे कोलतार...अलकतरा के काज पूरा कs लेल जाएत. एहि चारु जिला मे 331 किलोमीटर सड़क बनय के अछि आओर एहि पर 534 करोड़ रुपया खर्च होएत.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु