बिस्फी मे खुलल आईटीआई


मधुबनी जिला के बिस्फी मे आईटीआई खुलि गेल.  एकर उद्घाटन मानव संसाधन विकास मंत्री हरिनारायण सिंह जी कएलखिन्ह.  एहि ठाम 6 ट्रेडक पढ़ाई होएत... प्रशिक्षण देल जाएत.   मंत्री जीक कहनाय छलन्हि जे दु साल के भीतर राज्य के सभ सव-डिवीजन मे आईटीआई खोलि देल जाएत.   हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे दु साल के अंदर राज्य केर पांच सय हाई स्कूल मे इंटर तक पढ़ाई केर व्यवस्था कए देल जाएत.  अखन जेहि हाई स्कूल मे प्लस टू तक के पढ़ाई नहिं होएत अछि ओहिठाम प्लस टू केर पढ़ाई शुरू कए देल जाएत.  ओना 1168 टा हाईस्कूल मे इंटर के पढ़ाई शुरू करि देल गेल अछि... ओहि हाई स्कूल के इंटर कॉलेज मे बदलि देल गेल अछि.  एहि के लेल ओहि कॉलेज सभ के  करीब 75 लाख रुपया सेहो देल गेल अछि.  मानव संसाधन मंत्री जी कहलखिन्ह जे सरकार चाहैत अछि बिहारी युवक के  अपनहिं एहिठाम रोजगार के अवसर मिलय.  काज के लेल बाहर नहिं जाए पड़य. रोजगार उपलब्ध कराबय लेल सरकार पूरा कोशिश करि रहल अछि.  एहि लेल सरकार केंद्र सरकार के पास 250 आईटीआई खोलय के प्रस्ताव भेजलक अछि.  एतबा नहिं निजी क्षेत्र के सेहो 40 टा आईटीआई खोलय के मंजूरी देल गेल अछि.   तकनीकी शिक्षा केर विकास के लेल चारि टा नवका इंजीनियरिंग कॉलेज सेहो खोलल जा रहल अछि.  हरिनारायण सिंह जी आईटीआई के संग एहिठाम एकटा नवका कस्तुरबा बालिका आवासीय विद्यालय के उद्घाटन सेहो कएलखिन्ह.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8