Skip to main content

मैथिल बैसार

आई 29 अक्तूबर के दिल्ली के सरिता विहार मे मैथिल लोकक एकटा बैसार भेल. ई बैसार अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद के डॉ धनाकर ठाकुर जी केर अध्यक्षता मे भेल. एहि मे सभ क्षेत्र सं जुड़ल लोक अएलाह. नीक गप्प ई भेल जे बैसार काली पूजा केर पंडाल मे भेल जाहि कारण स्थानीय लोक सभ सेहो बढ़ि- चढ़ि कs शामिल भेलाह. बैसार मे मुख्य रूप सं एहि गप्प पर चर्चा भेल जे मिथिला राज्य के साकार रूप मे लाबय लेल अखन तक कि सभ कएल गेल अछि... कि सभ कएल जा रहल अछि... आओर कि सभ करय के जरूरत अछि. मिथिला राज्य के मांग पर जोर देबय लेल 21 आओर 22 दिसम्बर के दिल्ली मे अठारहम अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन होबय जा रहल अछि. सम्मेलन लाजपत नगर के शीतला मंदिर मे होएत. सम्मेलन के क्रम मे 22 दिसम्बर के जंतर-मंतर पर धरना सेहो देल जाएत. डॉ धनाकर ठाकुर जी ओहि सम्मेलन के सफल बनाबय के लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. गाम-गाम... घर-घर जाs क लोक के एहि सम्मेलन मे आबए लेल कहि रहल छथिन्ह. धनाकर जी एहि लेल 6 सं 9 अक्तूबर तक साइकिल यात्रा पर छलाह. साइकिल यात्रा के क्रम मे ओ जयनगर सं बिसौल... हरलाखी... उमगांव... फूलहर... गोपालपुर... गंगौर... साहरघाट... धनौजा... बेनीपट्टी... अरेड़... कोइलख... राजनगर तक गेलाह. एहि क्रम मे मधुबनी... कलुआही... राजनगर मे बैसार सेहो भेल. एहि साइकिल यात्रा मे हिनका लोक सं जुड़ल केर नीक मौका मिललन्हि आ राज्य मामला पर लोकक समर्थन सेहो मिललन्हि.

डॉ धनाकर ठाकुर जी ओना तं पेशा सं डॉक्टर छथिन्ह आ दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल सं पढ़ाई कएने छथिन्ह. पढ़ाई आ नौकरीक सिलसिला मे कई ठाम रहल छथिन्ह. सभ ठामक रहन-सहन... कला-संस्कृति... भाषा केर सम्पर्क मे आएल छथिन्ह. सभसं पैघ गप्प ई जे अपन काजक बीच मिथिला... मैथिली के लेल समय निकालि पाबैत छथिन्ह. कोसी बाढ़ि मे लोकक बीच जा राहत काज मे सेहो लागल छलाह. ओना त गप्प मारय वाला... नुक्ताचीनी करय वाला... मीनमेख निकालय वाला... दस टा खौंचांरि निकालय वाला लोक सभ बड़ मिलि जएताह मुदा काज के नाम पर सभ पड़ा जएताह. ताहि लेल धनाकर जी जे कs रहल छथिन्ह हुनका अहां सभ के सहयोग करबाक चाही. कोनो संस्था सं होए... कोनो गुट सं बनय... मिथिलाक सर्वांगीण विकास केर लेल अलग राज्य बननाए एकदम जरूरी अछि. अहां नौकरी... पढ़ाई... बीमारी... पावनि-त्योहार... घर-परिवार के दस टा बहाना बना एहि लेल आगां आबय सं कटय चाहब. कोनो भार अपना ऊपर नहिं लेबय चाहब. मुदा कोई करथिन्ह त दस टा खोंच निकालय लागब. ई सभ छोड़ि जे कोई गोटा मिथिला लेल आगां बढ़य छथि हुनका समर्थन करऔ... हुनकर सहयोग करिऔ. एहि के लेल अहां जेहि तरहे होए ओहि तरहे सहयोग कs सकय छी. चुनाव अहां के करय के अछि जे अहां कोन तरहे सहयोग द सकय छी. तन... मन... धन कोनो तरहे. दस लोक के फोने कs हुनका एहि आंदोलन सं जोड़ि सकय छी सेहो बड़का काज होएत. पेपर मे विज्ञापन या खबर निकलबा सकय छी... ईहो बड़का काज होएत. हजार...पांच सय परचा छपबा सकय छी... अहांक जे मन होए से करु मुदा सहयोग करु... आगा आउ. आबय वाला पीढ़ी के लेल किछ कष्ट सहय पड़त. अगर किछ नहिं कs सकय छी त कम सं कम काज करय वाला लोक के हिम्मत त नहिं तोड़िऔ.

खैर एकरा छोड़ु अगर अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के बारे मे किछ जानय के अछि त अहां दिल्ली मे अकर संयोजक कृपानंद झा जी सं सम्पर्क कs सकय छी. हुनकर नंबर छनि- +91-9868551104 . एकरे संग अहां mithila_vasi@yahoogroups.com पर सेहो सम्पर्क कs सकय छी. झारखंड मे श्री धर्मेश्वर झा, अरविंद नगर ( MIG, D-11o क पाछां ) हरमू हाउसिंग कॉलोनी, रांची-834002 . फोन नंबर +91- 9430141788. धनाकर जीक ईमेल छनि- dhanakarmithila@rediffmail.com


एहि बैसार मे एकटा नीक बात ई देखय मे आएल जे बैसार के आखिर मे महाकवि बैद्यनाथ मिश्र 'यात्री' जीक मिथिला प्रार्थना कएल गेल. धनाकर जी के कहनाय छलन्हि जे ओ प्रत्येक मैथिली बैसारक समाप्ति एहि सं करैत छथिन्ह. त लिअ आखिर मे हमहुं अहांक लेल ओ प्रार्थना एहि ठाम द रहल छी...


भगवान ! हमर मिथिला सुख शांति केर घर हो .

आदर्श भूमि मिथिला इतिहास मे अमर हो.

जहिठाम जाई हम सब सिंहे तहां कहाबी,

दुर्दांत होइ सबठां केवल अहांक डर हो.

जग भरि सुनी नचारी तिरहुति महेशवानी,

सभकेर कण्ठपथमे मृदु मैथिलीक स्वर हो.

अत्यन्त शक्तिशाली जे द्वीप अछि तहु पर,

एहि देश केर भाषा ओ भेषहुक असर हो.

पसरय एतय यथोचित अभिनव कला कुशलता,

प्रतियोगिताक रणमे ई प्रांत अग्रसर हो.

अंतिम विनय दयालु, बस आब एकटा जे,

ई पाग विश्वभरिमे सबकेर माथ पर हो.


Comments

  1. hitendra ji bad bes, ta december me hoi bala aandolan me hamro nene chalab, ahan chupe-chupe sab thaam chali jait chi aa hamra chori dait chi, i baat nik nai

    ReplyDelete
  2. धनाकर ठाकुर बड्ड नीक काज कय रहल छथि। कोनो आन्दोलन जे चलाओल जाइत अछि ताहिमे यदि लीडर निष्पक्ष, कर्मठ आ इमानदार रहय तखन ओहिपर क्यो आँगुर नहि उठा सकैत अचि। धनाकर ठाकुर ओहने व्यक्तित्व छथि। 1993-94 मे श्यामलीमे हुनकासँ हुनकर डेरापर हमरा भेँट अछि, मिथिलाक आ मैथिलीक प्रति हुनकर स्नेह आ कर्मठता यदि राजनीति केनिहार राजनेता आ साहित्यकार लोकनिमे आबि जाय तँ मिथिलाक आ मैथिलीक दशा किछु आने तरहक रहैत।

    গজেন্দ্র ঠাকুব

    ReplyDelete
  3. sir,hamra ye batayo...ki hum kena madad kar sakb. hamar dilli iksha ya Mithla lel kich karu,apan jamin la kich karu. bara abhari rahab agar bata saki.....aaha ka mail ka intzaar karab.

    sumit.jha14@gmail.com

    www.nrainews.com

    ReplyDelete
  4. yahan ke site bad badhiya lagal. yahan bahut mehnat kale chhi. yahan ke soch se pure maithila vasi ke kalyan bha sakat chhe. 21-22 Dec ke baithar baste hamhu besi gota ke suchna devah ke prayas kai rahal chhi. Dilli me Mithila Bhasi takreeban 5 lakh hyota. Ekra me se 5% akatha hue takhan baithar ke maksad bhai sakat chhe. MITHILA RAJ ke sapna pura hoet.

    Vinay Kumar Giri
    Keoti, Distt Darbhanga
    Dilli Ke Pata
    Badarpur Border
    New Delhi 110044
    +91119810877157, 9868731947

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर