Skip to main content

दिल्ली मे हलचल



राहुल आओर राज के मामला पर दिल्ली के राजनीति सेहो गरमाएल रहल.   एहन पहिल बेर छल जे सभ राजनीतिक मतभेद के दूर राखि बिहार के सभ पार्टी के नेता एक संग अएलाह.  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के नेतृत्व मे सभ पार्टी के नेता प्रधानमंत्री से भेंट कs  राज ठाकरे के खिलाफ सख्त कार्रवाई के मांग कएलखिन्ह.  एहि सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल मे लालू प्रसाद यादव आओर रामविलास पासवान सेहो शामिल छलाह.  सभ बिहारी नेता एक सुर मे प्रधानमंत्री के कहलखिन्ह जे देश केर एकता -अखंडता के तोड़य लेल राजठाकरे पर देश द्रोह के मामला चलाएल जाए.  एहि मुलाकात मे प्रधानमंत्री सं राष्ट्रीय एकता परिषद केर बैठक बुलाबय के 
सेहो मांग कएल गेल.  प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जी नीक लोक छथिन्ह आओर भरोस देलखिन्ह जे एहि मामला पर जल्दीए कोनो नहि कोनो कार्रवाई कएल जाएत.  हुनकर सेहो कहनाय छलन्हि जे सरकार एहि मामला पर एकदम गंभीर अछि.   नीतीश जी राहुल मामला पर न्यायिक जांच के मांग सेहो कएलखिन्ह. एहि बारे मे जानकारी के लेल बिहार सरकार सीआईडी के एकटा डीआईजी महाराष्ट्र भेजत. 
                                           ओना शिवराज पाटिल त नहिं मुदा गृहराज्यमंत्री श्रीप्रकाश जायसवाल जरूर एहि मामला पर  महाराष्ट्र सरकार सं रिपोर्ट देबय लेल कहलखिन्ह अ.  लालू जी कनि बेसिए गुस्सा मे छलाह ओ यूपी-बिहार के लोक के संग गुंडागर्दी करय लेल राज ठाकरे पर देशद्रोह के मुकदमा दर्ज करय के मांग करलखिन्ह.  लालूजी एहि मामला पर सभ नेता के एकजूट करय लेल नीतीश जीके धन्यवाद सेहो देलखिन्ह.  लोजपा नेता... खाद आओर स्टील  मंत्री रामविलास पासवान जी राज्य मे राष्ट्रपति शासन लगाबय के मांग कएलखिन्ह.  ओ कहबो कएलखिन्ह जखन बिहारी छात्र के घेर- घेर के पिटल जा रहल छल त पाटिल जी चुप छलाह आओर बेगुनाह छात्र केर हत्या पर बयानबाजी कs रहल छथि.  ओ राज के पार्टी के मान्यता खत्म करय के मांग सेहो कएलखिन्ह.
आओर जे होए प्रधानमंत्री सं ई भेंट बिहार केर राजनीति मे एकटा बड़का मोड़ अछि.  बिहार के विकासक मुद्दा पर सेहो अगर ई सभ नेता लोकनि एक संग आबि जएताह तं बिहार के आगां बढ़य सं कोई नहिं रोकि सकैत अछि.  आओर जखन बिहार आगां बढत त राज सं पंगा लेबय के जरूरते नहिं पड़त.  मुदा चुनावी साल मे राज ठाकरे वाला मुद्दा एहन अछि जे कोनो पार्टी ओकरा छोड़य नहिं चाहैत अछि.  कोनो पार्टी नहिं चाहैत अछि जे ओकरा पर बिहारी मुद्दा के अनदेखी केर आरोप लगय.  तs राजनीतिक मजबूरी भने होए एक संग त अएलौं.


Comments

  1. दीपावली पर हार्दिक शुभकामनाएँ। दीपावली आप और आप के परिवार के लिए सर्वांग समृद्धि और खुशियाँ लाए।

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...