टीचर भर्ती केर जानकारी वेबसाइट पर


बिहार मे टीचर भर्ती के लेल जे दोसर चरण के अभियान शुरू होए वाला अछि सरकार ओकर जानकारी वेबसाइट पर देबय जा रहल अछि.  एहि मे सभ जिला केर अलग- अलग खाली जगह के पूरा जानकारी देल जाएत.  ई पूरा जानकारी अहां मानव संसाधन विकास मंत्रालय   
केर साइट सं ल सकय छी.   ई पूरा जानकारी आनलाइन करय के मकसद भर्ती मे होए वाला गड़बड़ी के रोकनाय अछि.  सरकार के तरफ सं आवेदक के कहल गेल अछि जे अहां जेहि यूनिट मे नौकरी करय चाहय छी ओहि यूनिट मे आवेदन करु नहिं त आवेदन रद्द कs देल जाएत.  ओना एकटा उम्मीदवार जतेक स्थान सं मन होएन्हि ओतेक ठाम सं आवेदन कs  सकैत छथिन्ह. एहि मे कोनो रोक नहिं अछि.  मुदा यूनिट के ख्याल रखनाय जरूरी अछि.  पूर्ण रूप सं भरल फॉर्म 29 अक्तूबर सं 17 नवंबर तक स्वीकार कएल जाएत.  एहि बारे मे कोनो प्रश्न...शंका... समाधान होए त अहां बिहार सरकार के साइट  http://www.educationbihar.in/ 
पर  जाs क ओहिं सं लs सकय छी.  नियुक्ति केर बारे मे सभ जानकारी एहि पर अछि.  एहि ठाम फॉर्म आओर नियमावली सेहो देल गेल अछि.  अगर कोनो दिक्कत अछि त एहि ठाम क्लिक करु
एहि ठाम क्लिक करला के बाद अहां मानव संसाधन मंत्रालय के साइट पर चलि जाएब आओर अहां सभ किछ जानि सकय छी.  त हमर शुभकामना अहांक संग अछि.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ