नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

हवालात मे राज...

आखिरकार राज ठाकरे पर शिकंजा कसल गेल. बड़ गीदड़-भभकी दैत छलखिन्ह जे पुलिस... प्रशासन... सरकार मे हिम्मत छनि त गिरफ्तार कs क दिखबथुन. मुदा केंद्र सं मिलल दबाव के बाद राज्य सरकारके मजबूरी मे कठोर कदम उठाबय पड़लन्हि. राहुल गांधी के सेहो कहय पड़लन्हि जे राज देश तोड़य के राजनीति क रहल अछि. गृहमंत्री शिवराज पाटिल के राज्यसभा मे बयान देबय पड़लन्हि जे ओ राज्य सरकार सं कड़ा कदम उठाबय लेल कहलखिन्ह अ. मुदा अहां के ई जानि कs अचरज होएत कि केंद्र सं लगातार तीन दिन तक ... 19... 20... आओर 21 तारीख तक तीन टा नोटिस भेजल गेल राज के खिलाफ कार्रवाई करय लेल मुदा कार्रवाई भेल खूब हो हल्ला के बाद 21 तारीख के. पाटिल जी कहबो कएलखिन्ह जे ओ खुद एहि मामला पर महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री देशमुख सं गप्प कएलखिन्ह. तखनो एतेक देर भेल. एकटा गप्प आओर जखन सरकारके पता छलन्हि जे गिरफ्तार कएला के बाद समर्थक तोड़ फोड़ कsसकय अ तखनो बांद्रा कोर्ट के बाहर पर्याप्त सुरक्षा कर्मी तैनात नहिं छल जकरा कारण समर्थक सभ जमि के हंगामा कएलक. कएटा पत्रकार से सेहो चोट आएल. राज के न्यायिक हिरासत मे भेजला के बाद हुनकर समर्थक आओर उपद्रव पर उतरि आएल.


खैर महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के प्रमुख राज ठाकरे के 4 नवंबर तक न्यायिक हिरासत मे भेज देल गेल अछि. राज ठाकरे के अखन कल्याण मे राखल गेल अछि जतय एकटा मामला मे सुनवाई होएत. राज के दु टा मामला मे जमानत मिल गेल अछि. राज के खैरवाड़ी थाना मे दर्ज मामला मे जमानत मिलल अछि. एहि थाना मे चेतना कॉलेज मे रेलवे परीक्षा देबय लेल आएल छात्र के संग मारिपीट के मामला दर्ज अछि. ओना राज के कल्याण पहुंचय सं पहिने हुनकर समर्थक सभ जमि क हंगामा कएलक. कइटा गाड़ी... दोकान मे आगि लगा देलक. खूब तोड़उोड़ करलक. एकदम सं उत्पात मजा देलक.


एहि सं पहिने आई भोरे- भोर करीब पौने तीन बजे राज ठाकरे के गिरफ्तार करल गेल. रेलवे केर परीक्षा देबय लेल आएल उत्तर भारतीय छात्र के संग मारि-पीट आओर सरकारी संपत्ति के नुकसान पहुंचाबय के लेल ई गिरफ्तार कएल गेल. गिरफ्तारी के बाद हुनका मुम्बई लाएल गेल जतय बांद्रा कोर्ट में पेश कएल गेल. रेलवे परीक्षा के दौरान एमएनएस कार्यकर्ता सभ जमिकs हंगामा कएने छल. पर्चा फाड़ि देने छल... विद्यार्थी सभ के घेर -घेर के मारय पिटल गेल ... सामान सभ छिन लेल गेल...एडमिट कार्ड...कॉपी...किताब सभ फाड़ि गेल गेल... पुलिस किछ नहिं कएलक... टुकुर-टुकुर देखैत भर रहल... एकटा विद्यार्थी के मौत सेहो भ गेल. जिनकर शव आई पटना पहुंचल. एकर बाद दिल्ली मे सोम दिन एहि मामला पर राजनीतिक गतिविधि तेज भेल... सभ पार्टी के नेता सभ एकर निंदा त करबे कएलखिन्ह. राज्य सरकार पर ढिलाई बरतय के आरोप सेहो लगैलखिन्ह. केन्द्र मे उमड़ैत आक्रोश के बाद महाराष्ट्र सरकार कारवाई करय लेल मजबूर भेल . ओना राज ठाकरे के गिरफ्तार करय लेल जमशेदपुर अदालत सं सेहो गिरफ्तारी केर वारंट जारी भेल छल... मुदा ई गिरफ्तारी रेलवे परीक्षा देबय आएल छात्र के संग मारपीट के लेल भेल अछि. राज केर गिरफ्तारी के खबर मिलतहि एमएनएस कार्यकर्ता सभ उपद्रव शुरू कs देलक ... लाठी... डंडा आओर तलवार के संग गाड़ी के निशाना बनौलक... निशाना बनल गैरमराठी टैक्सी चालक ... सरकारी बस... सरकारी सम्पत्ति. राज ठाकरे के समर्थक बांद्रा कोर्ट के बाहर सेहो खूब हंगामा कएलक... पुलिस के लाठी चार्ज सेहो करय पड़ल. समर्थक सभ के हंगामा केर कारण राज के कोर्ट मे पेश करय मे सेहो विलंब भेल. आखिर कोर्ट मे राज के दु मामला मे जमानत द देल गेल जखन कि एक मामला मे 4 नवंबर तक न्यायिक हिरासत मे भेज देल गेल.

1 टिप्पणी:

  1. बिहारक लोक मोन मारि कए पलायन कए रहल छथि आऽ प्रवास काटि रहल छथि। यदि रोजगारक व्यवस्था भऽ जाय तँ क्यो किएक बाहर जाएत। सरकारकें ई बातपर ध्यान देबाक चाहियैक

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु