Skip to main content

हवालात मे राज...

आखिरकार राज ठाकरे पर शिकंजा कसल गेल. बड़ गीदड़-भभकी दैत छलखिन्ह जे पुलिस... प्रशासन... सरकार मे हिम्मत छनि त गिरफ्तार कs क दिखबथुन. मुदा केंद्र सं मिलल दबाव के बाद राज्य सरकारके मजबूरी मे कठोर कदम उठाबय पड़लन्हि. राहुल गांधी के सेहो कहय पड़लन्हि जे राज देश तोड़य के राजनीति क रहल अछि. गृहमंत्री शिवराज पाटिल के राज्यसभा मे बयान देबय पड़लन्हि जे ओ राज्य सरकार सं कड़ा कदम उठाबय लेल कहलखिन्ह अ. मुदा अहां के ई जानि कs अचरज होएत कि केंद्र सं लगातार तीन दिन तक ... 19... 20... आओर 21 तारीख तक तीन टा नोटिस भेजल गेल राज के खिलाफ कार्रवाई करय लेल मुदा कार्रवाई भेल खूब हो हल्ला के बाद 21 तारीख के. पाटिल जी कहबो कएलखिन्ह जे ओ खुद एहि मामला पर महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री देशमुख सं गप्प कएलखिन्ह. तखनो एतेक देर भेल. एकटा गप्प आओर जखन सरकारके पता छलन्हि जे गिरफ्तार कएला के बाद समर्थक तोड़ फोड़ कsसकय अ तखनो बांद्रा कोर्ट के बाहर पर्याप्त सुरक्षा कर्मी तैनात नहिं छल जकरा कारण समर्थक सभ जमि के हंगामा कएलक. कएटा पत्रकार से सेहो चोट आएल. राज के न्यायिक हिरासत मे भेजला के बाद हुनकर समर्थक आओर उपद्रव पर उतरि आएल.


खैर महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के प्रमुख राज ठाकरे के 4 नवंबर तक न्यायिक हिरासत मे भेज देल गेल अछि. राज ठाकरे के अखन कल्याण मे राखल गेल अछि जतय एकटा मामला मे सुनवाई होएत. राज के दु टा मामला मे जमानत मिल गेल अछि. राज के खैरवाड़ी थाना मे दर्ज मामला मे जमानत मिलल अछि. एहि थाना मे चेतना कॉलेज मे रेलवे परीक्षा देबय लेल आएल छात्र के संग मारिपीट के मामला दर्ज अछि. ओना राज के कल्याण पहुंचय सं पहिने हुनकर समर्थक सभ जमि क हंगामा कएलक. कइटा गाड़ी... दोकान मे आगि लगा देलक. खूब तोड़उोड़ करलक. एकदम सं उत्पात मजा देलक.


एहि सं पहिने आई भोरे- भोर करीब पौने तीन बजे राज ठाकरे के गिरफ्तार करल गेल. रेलवे केर परीक्षा देबय लेल आएल उत्तर भारतीय छात्र के संग मारि-पीट आओर सरकारी संपत्ति के नुकसान पहुंचाबय के लेल ई गिरफ्तार कएल गेल. गिरफ्तारी के बाद हुनका मुम्बई लाएल गेल जतय बांद्रा कोर्ट में पेश कएल गेल. रेलवे परीक्षा के दौरान एमएनएस कार्यकर्ता सभ जमिकs हंगामा कएने छल. पर्चा फाड़ि देने छल... विद्यार्थी सभ के घेर -घेर के मारय पिटल गेल ... सामान सभ छिन लेल गेल...एडमिट कार्ड...कॉपी...किताब सभ फाड़ि गेल गेल... पुलिस किछ नहिं कएलक... टुकुर-टुकुर देखैत भर रहल... एकटा विद्यार्थी के मौत सेहो भ गेल. जिनकर शव आई पटना पहुंचल. एकर बाद दिल्ली मे सोम दिन एहि मामला पर राजनीतिक गतिविधि तेज भेल... सभ पार्टी के नेता सभ एकर निंदा त करबे कएलखिन्ह. राज्य सरकार पर ढिलाई बरतय के आरोप सेहो लगैलखिन्ह. केन्द्र मे उमड़ैत आक्रोश के बाद महाराष्ट्र सरकार कारवाई करय लेल मजबूर भेल . ओना राज ठाकरे के गिरफ्तार करय लेल जमशेदपुर अदालत सं सेहो गिरफ्तारी केर वारंट जारी भेल छल... मुदा ई गिरफ्तारी रेलवे परीक्षा देबय आएल छात्र के संग मारपीट के लेल भेल अछि. राज केर गिरफ्तारी के खबर मिलतहि एमएनएस कार्यकर्ता सभ उपद्रव शुरू कs देलक ... लाठी... डंडा आओर तलवार के संग गाड़ी के निशाना बनौलक... निशाना बनल गैरमराठी टैक्सी चालक ... सरकारी बस... सरकारी सम्पत्ति. राज ठाकरे के समर्थक बांद्रा कोर्ट के बाहर सेहो खूब हंगामा कएलक... पुलिस के लाठी चार्ज सेहो करय पड़ल. समर्थक सभ के हंगामा केर कारण राज के कोर्ट मे पेश करय मे सेहो विलंब भेल. आखिर कोर्ट मे राज के दु मामला मे जमानत द देल गेल जखन कि एक मामला मे 4 नवंबर तक न्यायिक हिरासत मे भेज देल गेल.

Comments

  1. बिहारक लोक मोन मारि कए पलायन कए रहल छथि आऽ प्रवास काटि रहल छथि। यदि रोजगारक व्यवस्था भऽ जाय तँ क्यो किएक बाहर जाएत। सरकारकें ई बातपर ध्यान देबाक चाहियैक

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर