नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

डीएमसीएच हॉस्टल खाली भेल

दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल ... डीएमसीएच के हॉस्टल खाली करा लेल गेल अछि.  हॉस्टल खाली कराबय मे पुलिस के काफी मशक्कत करय पड़ल.  किछ लड़का के संग झड़प सेहो भेल.  मुदा भारी पुलिस बंदोबस्त मे डीएसपी परवेज अख्तर सभ मेडिकल छात्र के हॉस्टल सं बाहर कs देलखिन्ह.  किछ एहन छात्र जिनका परीक्षा देबय के छनि हुनका सोम दिन तक हॉस्टल खाली करय के लेल कहि देल गेल अछि.

असल मे ई पूरा मामला अछि रैंगिंग के.   कॉलेज मे रैगिंग दंडनीय अपराध घोषित अछि... मुदा शायदहि कोनो कॉलेज होएत जे एहि सं छूटल होएत.  कोनो नहिं कोनो बहाने रैंगिंग होएते अछि. मुदा दरभंगा के डीएमसीएच मे त हदे भs गेल .  कॉलेज के किछ सीनियर छात्र जूनियर छात्र के जबरदस्ती उठा कs  अपन हॉस्टल ल आनलथिन्ह  आ जमि क  रैगिंग  कएलखिन्ह.  एतबे नहि अप्राकृतिक यौन संबंध सेहो बनाबय के कोशिश कएल गेल. ओ त किछ छात्र जाsक प्रिंसिपल के खबर कs देलखिन्ह जे आ क जूनियर छात्र सभ के बचएलखिन्ह.    एकर बाद बड़ला बवाल भेल.  कॉलेज के अनिश्चितकाल  के लेल बंद करि देल गेल अछि.  एकर बाद पुलिस मे रिपोर्ट दर्ज कराएल गेल.  आब दोषी छात्र पर कार्रवाई के बात भ रहल अछि . एहि मामला मे चारि टा सीनियर मेडिकल छात्र चंदन कुमार... प्रशांत कुमार... मनीष कुमार  आओर  अश्विनी कुमार के खिलाफ  एफआईआर दर्ज कराएल गेल .  मुदा बाद मे दोसर सीनियर छात्र सभ के दबाव मे रैंगिग के मामला पलटि देल गेल.  ओम्हर रैंगिग सं पीड़ित छात्र बेगूसराय के राम कुमार पंडित परेशान छथिन्ह. पीड़ित छात्र के कहनाय छनि जे आब हुनका पर पूरा मामला वापस लेबय लेल धमकी देल जा रहल छनि. सीनियर छात्र सभ  हुनका ई कहि धमका रहल छथिन्ह  जे  प्रिंसिपल साहेब त दु चारि महीना रहथुन्ह... तोरा त पांच साल पढ़य के छ...  प्रिंसिपल के त जहिआ चाहबैन्ह ट्रांसफर भs जएतन्हि... तोरा के देखतह.  आब एहि धमकी सं पीड़ित छात्र पंडितजी डरि गेलाह अ.  हुनका किछ नहिं फुरा रहलि छनि जे कि करु.  एहि मामला पर शनि दिन छात्र सभ प्रिंसिपल के दफ्तर मे तोड़फोड़ सेहो कएलखिन्ह.  तोड़फोड़ के लेल सेहो 31 टा छात्र के खिलाफ मामला दर्ज कराएल गेल अछि.

अभिभावक सभ के चाही कि ओ अपन धिया पुता पर कनि सख्ती रखथिन्ह.  कनि नैतिक शिक्षा देथिन्ह... ई सभ बेसि लाड़-प्यार के नतीजा छनि जे ओ मेडिकल मे जा क लाज शर्म के ताक पर राखि एहन नीच कर्म करय के कोशिश करय छलाह.  अपन सुपुत्र के एहि कुकर्म के लेल हुनकर अभिभावक सभ के जाs क पीड़ित छात्र सं माफी मांगबाक चाही... जे हन नीक शिक्षा नहिं दs पबिलौंह जे आई हमर धिआ पुता ई करि रहल अछि.  मेडिकल मे जाएतहि छात्र सभ के मन बढ़ि जाए छनि.  आई काल्हि मेडिकल सेवा नहिं रहि गेल अछि.  सेवा भाव नहिं रहि गेल अछि.  दिल्ली मे त हर दु -चारि दिन पर कोनो नहिं कोनो अस्पताल मे लापहवाही के  मामला पर मरीज के रिश्तेदार आओर अस्पताल कर्मी...डॉक्टर के संग झड़प होएत रहैत अछि.  एहि पर सख्ती बरतने बिना किछ नहिं होएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु