Skip to main content

डीएमसीएच हॉस्टल खाली भेल

दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल ... डीएमसीएच के हॉस्टल खाली करा लेल गेल अछि.  हॉस्टल खाली कराबय मे पुलिस के काफी मशक्कत करय पड़ल.  किछ लड़का के संग झड़प सेहो भेल.  मुदा भारी पुलिस बंदोबस्त मे डीएसपी परवेज अख्तर सभ मेडिकल छात्र के हॉस्टल सं बाहर कs देलखिन्ह.  किछ एहन छात्र जिनका परीक्षा देबय के छनि हुनका सोम दिन तक हॉस्टल खाली करय के लेल कहि देल गेल अछि.

असल मे ई पूरा मामला अछि रैंगिंग के.   कॉलेज मे रैगिंग दंडनीय अपराध घोषित अछि... मुदा शायदहि कोनो कॉलेज होएत जे एहि सं छूटल होएत.  कोनो नहिं कोनो बहाने रैंगिंग होएते अछि. मुदा दरभंगा के डीएमसीएच मे त हदे भs गेल .  कॉलेज के किछ सीनियर छात्र जूनियर छात्र के जबरदस्ती उठा कs  अपन हॉस्टल ल आनलथिन्ह  आ जमि क  रैगिंग  कएलखिन्ह.  एतबे नहि अप्राकृतिक यौन संबंध सेहो बनाबय के कोशिश कएल गेल. ओ त किछ छात्र जाsक प्रिंसिपल के खबर कs देलखिन्ह जे आ क जूनियर छात्र सभ के बचएलखिन्ह.    एकर बाद बड़ला बवाल भेल.  कॉलेज के अनिश्चितकाल  के लेल बंद करि देल गेल अछि.  एकर बाद पुलिस मे रिपोर्ट दर्ज कराएल गेल.  आब दोषी छात्र पर कार्रवाई के बात भ रहल अछि . एहि मामला मे चारि टा सीनियर मेडिकल छात्र चंदन कुमार... प्रशांत कुमार... मनीष कुमार  आओर  अश्विनी कुमार के खिलाफ  एफआईआर दर्ज कराएल गेल .  मुदा बाद मे दोसर सीनियर छात्र सभ के दबाव मे रैंगिग के मामला पलटि देल गेल.  ओम्हर रैंगिग सं पीड़ित छात्र बेगूसराय के राम कुमार पंडित परेशान छथिन्ह. पीड़ित छात्र के कहनाय छनि जे आब हुनका पर पूरा मामला वापस लेबय लेल धमकी देल जा रहल छनि. सीनियर छात्र सभ  हुनका ई कहि धमका रहल छथिन्ह  जे  प्रिंसिपल साहेब त दु चारि महीना रहथुन्ह... तोरा त पांच साल पढ़य के छ...  प्रिंसिपल के त जहिआ चाहबैन्ह ट्रांसफर भs जएतन्हि... तोरा के देखतह.  आब एहि धमकी सं पीड़ित छात्र पंडितजी डरि गेलाह अ.  हुनका किछ नहिं फुरा रहलि छनि जे कि करु.  एहि मामला पर शनि दिन छात्र सभ प्रिंसिपल के दफ्तर मे तोड़फोड़ सेहो कएलखिन्ह.  तोड़फोड़ के लेल सेहो 31 टा छात्र के खिलाफ मामला दर्ज कराएल गेल अछि.

अभिभावक सभ के चाही कि ओ अपन धिया पुता पर कनि सख्ती रखथिन्ह.  कनि नैतिक शिक्षा देथिन्ह... ई सभ बेसि लाड़-प्यार के नतीजा छनि जे ओ मेडिकल मे जा क लाज शर्म के ताक पर राखि एहन नीच कर्म करय के कोशिश करय छलाह.  अपन सुपुत्र के एहि कुकर्म के लेल हुनकर अभिभावक सभ के जाs क पीड़ित छात्र सं माफी मांगबाक चाही... जे हन नीक शिक्षा नहिं दs पबिलौंह जे आई हमर धिआ पुता ई करि रहल अछि.  मेडिकल मे जाएतहि छात्र सभ के मन बढ़ि जाए छनि.  आई काल्हि मेडिकल सेवा नहिं रहि गेल अछि.  सेवा भाव नहिं रहि गेल अछि.  दिल्ली मे त हर दु -चारि दिन पर कोनो नहिं कोनो अस्पताल मे लापहवाही के  मामला पर मरीज के रिश्तेदार आओर अस्पताल कर्मी...डॉक्टर के संग झड़प होएत रहैत अछि.  एहि पर सख्ती बरतने बिना किछ नहिं होएत.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...