Skip to main content

मुम्बई ककर ? फेर नहिं पूछिअह .


महाराष्ट्र मे रेलवे के परीक्षा देबय लेल गेल उत्तर भारतीय छात्र सभ पर जमि कs कहर बरपाएल गेल अछि. विद्यार्थी सभ घेर-घेर कs मारल गेलाह... बेरहमी सं पिटलाह. ई पिटाई कोनो दोष... गुंडागर्दी... छेड़खानी... तस्करी... बम फोड़य के लेल नहीं कएल गेल. ई पिटाई उत्तर भारतीय होय के कारण कएल गेल. उत्तर भारतीय मे अहां पंजाब... हरियाणा... दिल्ली... हिमाचल ई सभ नहिं मानिऔ. ई सभ भैया थोड़े छथिन्ह. भैया लोक त छथिन्ह यूपी बिहारी. मराठी लोक उत्तर भारतीय मे यूपी-बिहारी लोक के गिनय छथिन्ह. अहां कहबय बिना दोषे विद्यार्थी सभक के दौड़ा-दौड़ा कs पिटलक. अहां के ई दोष नहिं बुझायअ जे बिना ठाकरे जी... चाहे ओ राज ठाकरे होताह आ हिनकर चचा बाल ठाकरे.... के अनुमति के अहां महाराष्ट्र मे घुसि रहल छी... कि विद्यार्थी सभ के ई पता नहिं छलन्हि जे मुम्बई ठाकरे के बाप के छै ? अगर पता छलन्हि त बिना हुनकर अनुमति के ओहि ठाम जनाय नीक गप्प नहिं न ? लागय अ ई सोचि कs गेलहु जे लालू जी रेल मंत्री छथिन्ह त किछ नहिं होएत... त बुझबा मे आबि गेल नहिं ?
अरे बाबू ई राजनीति छै...लालू जी ऊपर- झापर जे कहथिन्ह जे राज मेंटल अछि. देश तोड़य के बात कs रहल अछि. ओकरा गिरफ्तार करबाक चाही. भीतर सं किछ नहिं कs सकय छथिन्ह. अगर ओ ई बात के गंभीरता सं लेने रहतथिन्ह त प्रधानमंत्री... केंद्रीय गृहमंत्री सं तुरंत राज के खिलाफ कार्रवाई नहिं त इस्तीफा के धमकी द देने रहतिएथिन्ह. ई पहिल बेर नहिं भेल अछि. एहि सं किछ दिन पहिनहु बिहारी... यूपी के लोक सभ पिटाएल छलाह... सामान सभ छिन मारि-पिट कs लोक के भगा देल गेल छल... कि भेल? राज ठाकरे अखनो दहाड़ि रहल अछि. कि कांग्रेस के सरकार राज के खिलाफ किछ कएलक? सिर्फ देखाबय लेल हिरासत मे लेलक... राति भेल नहिं के घर चलि गेलाह हीरो के माफिक जुलूस लsक जेना विश्व विजय कs आएल होताह. राज आओर मजबूत भs गेलाह... राज के बढाबय मे आखिर हाथ ककर अछि... कि अहां के लगैत अछि जे अगर कांग्रेस नहिं चाहय त राज के ससरीओ चलि सकैत अछि. ओ त शिवसेना के कमजोर करय लेल कांग्रेस राज के राजनीति खेल रहल अछि. मुदा एहि मे पिसा रहल अछि यूपी बिहार के बेकसूर लोक. मुदा कि अहां के लागय अ जेना मराठी मानुस के नाम पर बिहारी...यूपी के विद्यार्थी सभ के पिटल गेल... ओकर बाद राज के समर्थन मे नारा लगाबैत जुलूस निकालय गेल... ओहिना कि यूपी-बिहार के नेता सभ एकजुटता देखा सकय छथिन्ह. कखनो नहिं. डीएमके के सांसद सभ के देखिऔ...श्रीलंका मे तमिल मुद्दा पर सभ इस्तीफा द देलखिन्ह अ. कि बिहार- यूपी के सांसद मंत्री ई क s सकय छथिन्ह ?
बड़का...बड़का गप्प हांकय वाला लालू जी... रघुवंश जी... शकील अहमद जी... अली अशरफ फातमी जी... रामविलास पासवान जी... मीरा कुमार जी... जयप्रकाश जी कि मनमोहन सिंह जी सं जाs क देशमुख जी के शिकायत करथिन्ह जे महाराष्ट्र मे अहांक कांग्रेस सरकार अछि आ किछ नहिं क रहल अछि. केंद्रीय गृहमंत्री शिवराज पाटिल जी के त गप्पे छोड़ु हुनका सं नीक रहत जे ई सभ श्रीप्रकाश जायसवाल सं मिलि लेथिन्ह. भ सकय अ ओ राज ठाकरे के किछ खरी खोटी सुनाओ सकय छथिन्ह. मुदा पाटिल जी सं त किछ उम्मीदे नहिं करु. कहबो करय छथिन्ह हुनका ऊपर सोनिया जी के हाथ छनि. देश अहि मे घंसल जा रहल अछि .
अगर अहां ई सोचय छी जे देश के नागरिक के कतहुं आबय जाय के... नौकरी करय के अधिकार छै त भूलि जाउ... पाटिल जी जैसन केंद्रीय गृहमंत्री के रहैत... महाराष्ट्र मे देशमुख जैसन कांग्रेस के सरकार रहैत अहां ई अधिकार के सोचनाय भूलि जाउ. केंद्र मे कांग्रेस के समर्थन देय वाला लालू जी...पासवानजी... रघुवंश जी... किछ नहिं कs पएताह. कुर्सी के चिंता छनि. दु चारि टा लोक त सभतर पिटाएत रहैत छै त कि ओकरा लेल... राज ठाकरे के खिलाफ कार्रवाई के लेल... राज ठाकरे के गिरफ्तार करय लेल कोनो इस्तीफा थोड़हे देल जाय छै. दु चारि दिन चलत फेर मामला ठंडाह जाएत. अगर सभ बिहारी...यूपी के नेता सभ जाक प्रधानमंत्री सं एकर शिकायत कएने रहतथिन्ह त कि राज ठाकरे आई फेर ई कहय के स्थिति मे रहय वाला छलाह कि हुनकर ई अभियान जारी रहतन्हि. त बाऊ नेता सभ के चक्कर मे जोश मे आ पिटा नहिं जाउ... गाम घर मे रहुं... अधिकार ...कर्तव्य केर बात पाटिलजी... देशमुख जी के रहैत त भूलि जाउ. ओना लोक त आब आस-पास के बाजारों डरैत- डरैत निकलैत अछि जे हिनकर राज ने नहिं जाने कतय कि भs जाए. सावधानी हटल दुर्घटना घटल. खुद सावधान रहुं... केंद्र मे अपन बिहारी मंत्री नेता पर भरोस नहिं राखु.



Comments

  1. We need to understand that the MPs we have elected are not fighting enough for our cause. We should stop trading with Maharastra and stop the money drain which is taking place in the name of Eductation. Why are we paying center why are we giving access to our natural resources of Jharkhand If center cannot provide our basic fundamental right and security. We need to stop it, only that can mobilize our cause. I firmly believe that their are too many educated and better off lots from these states. They need to unite and fight back in every possible manner. Embrace our people, lets unite. Lets be proud to be a Bihari. We have contributed a lot to this nation, we need recognition and respect. Lets fight back. Put Raj Thakrey behind bars, such criminals if not caged will only jeopardize our well being.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...