बिहार सरकार बिजली के लs क गंभीर दिखाय दs रहल अछि. राज्य मे एक हज़ार मेगावाट बिजली के एकटा परियोजना के मंजूरी द देल गेल अछि . एकरा लेल निजी कंपनी आधुनिक ग्रुप ऑफ कम्पनीज आओर उर्जा विभाग केर बीच एकटा समझौता पर दस्तखत सेहो कएल गेल अछि . सरकार के तरह सं एहि मौका पर ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह आओर आधुनिक पॉवर एंड नेचुरल रिसॉर्स के अध्यक्ष निर्मल अग्रवाल सेहो मौजूद छलाह. आधुनिक ग्रुप ऑफ कम्पनीज कोलकाता के कंपनी अछि. एक हजार मेगावाट बिजली पैदा करय के लेल एहि परियोजना पर करीब 5 हज़ार करोड़ रूपआ खर्च होएत. पटना मे भेल एहि समझौता के बाद सरकारके कहनाय छल जे एहि बिजली उत्पादन के लेल सरकार कंपनी के सभ तरहे मदद करत. मुदा सभस पैघ गप्प त ई अछि जे अखन धरि जगहक कोनो ठोरो -ठिकान नहिं अछि. ओना कंपनी कई ठामक सर्वे कs चुकल अछि. आब देखिऔ सरकार के तरफ सं कोन जगहक सिगनल मिलैत अछि. ओना एहि सं पहिले जे तीनटा कंपनी के संग बिजली बनाबय के लेल समझौता भेल अछि ओहि मे सं ककरो अखन धरि जमीन नहिं मिलल अछि. आब देखल जाउ एहि कंपनी के कहिओ जगह मिलैत अछि आ कहिओ काज शुरू होएत अछि. ओना कोनो राज्य... देशक विकास मे बिजलीके बड़का भूमिका रहैत अछि. भगवान सं मनाविऔ जे चारु कंपनी के जल्दीए जमीन मिलय आ काज शुरू होए. जतेक जल्दी काज शुरू होएत गाम ... घर... शहर मे ओतेक जल्दी बिजली के रौशनी चमकत. बिजली संकट के दूर करय लेल ई एकटा बड़का कदम अछि
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
सूचना खातिर कोटि कोटि धन्यवाद
ReplyDelete