नमस्कार...

सभ मैथिलगण के हमर नमस्कार... केहन छी अहां सभ ? नीके छी कि नहिं ? पिछला हफ्ता तबियत किछ खराब भs गेला के कारण अहां सभ सं गप्प नहिं भs सकल. आब फेर होएत. अहां सभ सं आग्रह जे अहां सभ सेहो हेलो मिथिला केर लेल किछ लिखल करु. अपन गाम- घर केर बात लिखल करु. सुख -दुख केर गप्प लिखल करु. मिथिलाक विकास गप्प करु... गाम-घर केर विकास के लेल कि सभ कएल जा सकय अछि ? से लिखु. अगर अहां के पास कोनो नीक... ठोस उपाय अछि त ओहि सं सभ लोक के परिचित कराउ जाहि सं बेसि सं बेसि लोक के फायदा मिलि सकय. झिझकय के कोनो जरूरत नहिं हमरे जकां टूटल-फूटल मैथिली मे लिखल करु... बस लोक के पास संदेश पहुंचय के जरूरत अछि. असल मे मैथिली मे पढ़ाई-लिखाई नहिं होई के कारण करीब 90 प्रतिशत मैथिलगण नीक सं मैथिली नहिं लिखि पाबैत छथिन्ह. ताहि लेल शर्म के कोनो गप्प नहिं . बस किछ मन मे आबय लिखि कs भेज दिअ. हम अहांक विचार के एहि मंच पर राखय के कोशिश करब.

हितेन्द्र गुप्ता
+91-9873606696
hellomithilaa@gmail.com

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा