ई - टिकट पहचान पत्र


आब अहां ट्रेन मे कोनो फोटो पहचान पत्र राखि यात्रा कs सकय छी. फोटो पहचान वाला शर्त ई-टिकट के लेल अछि. पहिने ई छल जे ऑनलाइन टिकट बुक कराबैत समय अहां जे पहचान पत्र के जिक्र कएने छलहुं. यात्रा के समय ट्रेन मे उहे पहचान पत्र अहांक संग होबाक चाही. मानि लिअ घर पर आ इंटरनेट कैफे मे जाsक रेलवे के साइट सं ऑनलाइन ई-टिकट बुक करौलहुं. ओहि मे अहां पहचान पत्र के लेल मतदाता पहचान पत्र के जिक्र करि देलहुं. मुदा जाय काल मे अहांक संग ड्राइविंग लाइसेंस रहि गेल. आ फेर ध्यान नहिं रहला पर राशन कार्ड नहिं रखि पयलौं. एहन स्थिति मे अहां के बिना टिकट मानल जाएत छल. एहि के कारण लोक सभ के टिकट रहैत कई बेर फेर सं पूरा पाई जमा करय पड़य छलन्हि. एहि लsक लोक सभ रेलवे के पास शिकायत कएलखिन्ह... जकर सुनवाई आब जा क भेल अछि. आब अहां कोनो सरकार फोटो पहचान पत्र लs क यात्रा क सकय छी. आब अहां अपन कोनो पहचान पत्र राखि सकय छी. ड्राइविंग लाइसेंस... मतदाता पहचान पत्र... पैन कार्ड... पासपोर्ट किछ राखि सकय छी. मुदा ओ पहचान पत्र सरकार सं अधिकृत होबाक चाही.

Comments

  1. हितेन्द्र जी;
    बहुत दिन सँ अपने सँ गप्प नहि भेल अछि. हम हिन्दी मे ब्लोगिँग रोकि देने छी.
    हम मीडिया मे मैथिले नाम'क एकटा आलेख तैयार कऽ रहल छी, अपने सँ सहयोग अपेक्षित अछि. यदि अपने केँ जानकारी मे मैथिल बँधु होइथि तऽ एहि ई-मेल पर सूचित काएल जाए. editor @vidyapati.org

    ReplyDelete
  2. नीक समाचार देलहुँ हितेन्द्रजी।

    গজেন্দ্র ঠাকুব

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड