नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सीतामढ़ी सं लिच्छवी एक्सप्रेस

     
  मिथिलांचल के लेल एकटा नीक खबर अछि.  खबर अछि  जे आब लिच्छवी एक्सप्रेस सीता मैया केर नगरी सीतामढ़ी सं खुलल करत
. अखन लिच्छवी एक्सप्रेस मुजफ्फरपुर सं दिल्ली के बीच चलैत अछि.  29 तारीख के रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव बड़ी लाइन केर उद्घाटन आओर दरभंगा-सीतामढ़ी के बीच सवारी गाड़ी शुरू कएखिन्ह.  एहि अवसर पर लोक सभ हुनका सं मांग कएलखिन्ह जे सीतामढ़ी सं दिल्ली के बीच एकटा डायरेक्ट ट्रेन होबाक चाहि. खबर अछि जे रेल मंत्री लालूजी एहि मांग पर विचार करैत लिच्छवी एक्सप्रेस के मुजफ्परपुर सं बढ़ा कs सीतामढ़ी तक करय के बात कहलखिन्ह अ.  त चलु एकटा आओर ट्रेन आगां तक मिलल.  अगर सभ किछ नीक रहल त उम्मीद अछि जे दीपावली तक एहि ट्रेन के सीतामढ़ी तक कs देल जाएत.   एकटा आओर खबर ई अछि जे अगिला साल जून तक सीतामढ़ी सं मुजफ्फरपुर आ रक्सौल दs क दिल्ली ट्रेन चलय लागत. कहय के मतलब सीतामढ़ी सं मुजफ्फरपुर के बीच नबका रेल लाइन आओर रक्सौल के बीच बड़ी लाइन जून तक तैयार भs जाएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु