नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कृषि वैज्ञानिक चलला गाम

       बिहार मे खेती के बढ़ावा देबय के लेल...पैदावार...उपज बढ़यबा लेल...वैज्ञानिक तरीका सं खेती केर लाभ उठयबा लेल... बिहार सरकार एकटा योजना कर काज क रहल अछि.   कृषि वैज्ञानिक गाम केर ओर नाम सं शुरू भेल एहि योजना मे कृषि वैज्ञानिक सभ गाम मे जाs क किसान सभ के उन्नत खेती के तौर तरीका बतयथिन्ह. एहि मे किसान सभ के खेती के आधुनिक तौर - तरीका के गुर सिखायल जाएत.  पिछला दिन एहि विषय पर समस्तीपुर के बिरौली के कृषि विज्ञान केंद्र  मे एकटा समारोह भेल.  जाहि मे  कृषि वैज्ञानिक गाम केर ओर योजना के शुरुआत कएल गेल.  एहि मौका पर कृषि मंत्री के कहनाय  छलन्हि जे बिहार मे उन्नत खेती के अपार संभावना अछि.  राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय जैसन संस्था खेती के आधुनिक बनाबय के दिस कार्यरत अछि.  आओर आब कृषि वैज्ञानिक गाम- गाम जा क आधुनिक खेती के... उन्नत खेती के... वैज्ञानिक खेती के प्रचार प्रसार करथिन्ह. हर पंचायत मे जा क कार्यशाला कएल जाएत.  खेती के क्षेत्र मे होय वाला रिसर्च... अनुसंधान केर बारे मे लोक के बताएल जाएत... जागरूकता लाएल जाएत.   सरकार... कृषि विज्ञान केंद्र के ई नीक पहल अछि अगर खेती के क्षेत्र मे होए वाला नब-नब रिसर्च...खोज के फायदा किसान तक पहुंचय अछि  त ई नीक गप्प होएत.   मुदा एहि के लेल लोक सभ के सेहो जागरूक रहय पडतन्हि नहि त दोसर सरकारी योजना के तरह ईहो एकटा दिखावा भरि रहि जाएत आओर खानापूर्ति कs योजना चलैत रहत.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु