ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के बर्खास्त 283 शिक्षक आओर दोसर कर्मचारी के बहाल करि देल गेल अछि. पटना हाई कोर्ट के आदेश पर विश्वविद्यालय के वीसी डॉ मिश्रीलाल यादव चतुर्थ चरण मे अंगीभूत दु टा कॉलेज केर कर्मचारी आओर शिक्षक के बहाल कs लेलखिन्ह. एहि बारे मे अधिसूचना सेहो जारी कs देल गेल अछि. 21 जून के दरभंगा के महाराजा लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल कॉलेज आओर मधुबनी के झुमुक महासेठ धर्म प्रियलाल महिला महाविद्यालय के 283 शिक्षक आओर दोसर कर्मचारी के सेवा के सुप्रीम कोर्ट के आदेश के विपरित बताबैत बर्खास्त करि देल गेल छल. एहि के बाद ई मामला हाई कोर्ट मे चलि गेल. हाई कोर्ट मे शिक्षक सभ के राहत मिलि गेल आओर बर्खास्त करय के तरीका पर आपत्ति जताबैत हिनका सभ के बहाली के आदेश देल गेल.
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
news ke te ahan bhandar chhi, nirantara bina thakne, sadhuvad
ReplyDelete