फोनक आसरा... Phonek Aasra


एकटा छोट फोन कतेक बड़का काज कs सकैत अछि. अगर ई जानय के अछि त अहां हुनका सं पूछिऔ जिनकर जान एहि फोन के बदौलत बाचल अछि. छोट मोबाइल केर माध्यम सं लाखों लोग सुरक्षित स्थान पर पहुंचय मे कामयाब रहला अछि. कुसहा मे कोसी केर बांध टूटला केर बाद लोक के भागय के मौका नहिं मिलल. ओ सभ बाढ़िक पानि मे फंसल रहि गेलाह. गामक गाम दहा गेल... घर दलान सभ बहि गेल. केहुना ऊंच स्थान... गाछ... बिरिछ... मचान पर शरण लेने रहलाह. एहन हाल मे ककरा शोर करबय... के आएत... सभतर त पानिए-पानि दिखाएत अछि. सड़क... रेल... नाव सभ बहि गेल. के आएत बचाबय लेल. एहन हाल मे... विपत्ति के एहन काल मे सभस बड़का संगी... साथी... जीवनरक्षक जे कहिऔ साबित भेल छोट- छोट मोबाइल फोन. लोक सभ एहि मोबाइल सं फोन क अपन रिश्तेदार... पुलिस... प्रशासन... मुखिया... एमएलए... एमपी अगल-बगल के गामघर वाला के बतएलाह जे कोन ठाम फंसल छी... कतेक लोक फंसल छी. जल्दी बचाउ नहिं त नहिं बाचब. मोबाइल पर खबर पाबितहि लोक सभ हिनका सभ के बचाबय लेल जुटय लगलाह. एहन भेल जे बिहार सं बाहर रहय वाला अपन- अपन नाता-रिश्तेदार के फोन कएलथिन्ह जे कोन संकट मे फंसल छी. ऊ लोक पेपर... अखबार... टीवी केर माध्यम सं ई खबर प्रसारित कएलथिन्ह जे एतेक लोक फलां-फलां ठाम फंसल छथिन्ह. एकर बाद हुनका सभ के बचाबय लेल मदद भेजल गेल.
मुदा बिजली नहिं रहला सं बेसि दिन तक बात नहिं भ सकलन्हि. ताहि ल क लोक सभ हिनकर खबर के ल क परेशान सेहो भs सेहो गेलखिन्ह. हुनका बचाबय मे देर सेहो भेल... जिनका पास सोलर वाला सुविधा छलन्हि ओ त केहुना चार्ज क काम चलएलाह. जे होए कहि सकय छी जे मोबाइल फोन के कारण सेहो बड़ लोक के जान बाचल. एहि के लेल बीएसएनएल ... रिलायंस... एयरटेल सेहो धन्यवाद के पात्र छनि जे 555 रुपया... 777 रुपया... 999 रुपया मे...आ एहु सं कम के प्लान मे मोबाइल शुरू कराबय लगलाह जाहि सं घर घर मे मोबाइल आबि गेल. मधुबनी के सांसद आओर केंद्रीय मंत्री शकील अहमद जी के सेहो धन्यवाद देबाक चाही जिनकर आईटी मंत्री रहैत एहि इलाका ... मिथिला मे टेलीफोनक बड़ काज भेल.


Comments

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

किछ हरायल शब्द

हमर विआह- 8

दिल्ली प्रेस क्लब में 7 दिसंबर के मिथिला महोत्सव आ मिथिला लिटरेचर फेस्टिवल

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

अहां केना सहैत होएब ?