रेलवे आओर रेडक्रास केर राहत


बिहार मे आएल भीषण बाढ़ि रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव रेलवे के माध्यम सं राहत केर काज मे जुटल छथिन्ह. राहत आओर के लेल रेल सं सामान पहुंचाबय लेल कोनो भाड़ा नहिं लेल जाएत.  अगर अहां बाढ़ि पीड़ित केर पास कोनो सामान... मदद पहुंचाबय चाहय छी त देश के कोनो रेलवे क्षेत्र केर महाप्रबंधक कार्यालय या डीआरएम कार्यालय मे जाs कs सामान जमा कs सकय छी.   ई सामान अहां पूर्णिया... सहरसा आओर कटिहार के डीएम के नाम सं बुक करा सकय छी.  राहत केर सामान मे खाय पिबय केर सामान... तम्बू... चारा...  कपड़ा-लत्ता...  टॉर्च ... माचिस... मोमबती... बिस्किट... किचेन केर सामान सभ निशुल्क भेजय जाएत.

एकर अलावा अहां अपन इलाका केर रेडक्रास के माध्यम सं सेहो राहत केर सामान भेज सकय छी. ओना पटना केर पता अछि-

रेडक्रास बिल्डिंग
नॉर्थ गांधी मैदान
पटना

अहां एहि ठाम किछ लोक के फोन सेहो कs सकय छी

एसपी सिंह-     092347-41100 , 0612-2201035

कर्नल वी के सिंह- 093341-02385

कंट्रोल रुम- 098317-05627, 0612-2234869




Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

अलग मिथिला राज्य केर मांग भेल तेज, देखु जंतर-मंतर प्रदर्शन केर फोटो

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग