नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रेलवे आओर रेडक्रास केर राहत


बिहार मे आएल भीषण बाढ़ि रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव रेलवे के माध्यम सं राहत केर काज मे जुटल छथिन्ह. राहत आओर के लेल रेल सं सामान पहुंचाबय लेल कोनो भाड़ा नहिं लेल जाएत.  अगर अहां बाढ़ि पीड़ित केर पास कोनो सामान... मदद पहुंचाबय चाहय छी त देश के कोनो रेलवे क्षेत्र केर महाप्रबंधक कार्यालय या डीआरएम कार्यालय मे जाs कs सामान जमा कs सकय छी.   ई सामान अहां पूर्णिया... सहरसा आओर कटिहार के डीएम के नाम सं बुक करा सकय छी.  राहत केर सामान मे खाय पिबय केर सामान... तम्बू... चारा...  कपड़ा-लत्ता...  टॉर्च ... माचिस... मोमबती... बिस्किट... किचेन केर सामान सभ निशुल्क भेजय जाएत.

एकर अलावा अहां अपन इलाका केर रेडक्रास के माध्यम सं सेहो राहत केर सामान भेज सकय छी. ओना पटना केर पता अछि-

रेडक्रास बिल्डिंग
नॉर्थ गांधी मैदान
पटना

अहां एहि ठाम किछ लोक के फोन सेहो कs सकय छी

एसपी सिंह-     092347-41100 , 0612-2201035

कर्नल वी के सिंह- 093341-02385

कंट्रोल रुम- 098317-05627, 0612-2234869




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु