कोसी पर काज शुरू...


भारत-नेपाल मे सहमति
नेपाल के प्रधानमंत्री पुष्प कमल दहल उर्फ प्रचंड आई- काल्हि इंडिया मे छथिन्ह. दिल्ली मे हुनकर कइटा नेता सभ के संग गप्प भेलन्हि. बिहार केर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो हुनका सं भेंट कएलथिन्ह. प्रचंड कोसी पर सभ तरहे सहयोग के भरोस देलखिन्ह. कोसी पर दुनु देश केर जल संसाधन मंत्री केर बैठक सेहो भेलन्हि. तय भेल जे सप्तकोसी पर हाई डैम के लेल काज मे तेजी लाएल जाएत. बातचीत मे इहो फैसला भेल जे सभ मुद्दा केर हल त्रिस्तरीय समिति सं कएल जाए. मंत्री के स्तर पर संयुक्त नदी आयोग... सचिव केर स्तर पर संयुक्त समिति आओर परियोजना केर स्तर पर तकनीकी समिति एहि पर नजर राखत. आब दुनु देश के बीच बाढ़ि सं बचय लेल सूचना केर आदान प्रदान कएल जाएत... मॉनसून सं पहिने आओर बाद मे दुनु देश के बैठक सेहो होएत.
बातचीत मे नेपाल के मंत्री भारतीय इंजीनियर... कर्मचारी के सुरक्षा के भरोस सेहो देलखिन्ह.
दिल्ली मे शरद यादव जीक घर पर भेल भेंट मे नीतीश जी प्रचंड सं कहलथिन्ह जे अगर बिहार केर शोक के नाम सं जानय जाय वाला कोसी के पानि केर प्रबंध नीक सं कएल जाए तं ई पानि दुनु देश केर लेल वरदान साबित भs सकय अछि. प्रचंड जीक सेहो कहनाय छलन्हि जे ओ अगिला दस साल मे दस हजार मेगावाट बिजली पैदा करय चाहय छथिन्ह. कोसी के पानि पर रोक लगाबय आओर प्रबंधन केर लेल 1954 मे भारत आओर नेपाल मे एकटा संधि भेल छल. ई संधि 199 साल के लेल 2153 तक अछि. नेपाल आब ओहि संधि मे समीक्षा के बात करि रहल अछि. अगर अखनो एहि पानि केर प्रबंधन नीक सं कएल जाए त एकटा बड़का इलाका मे सिंचाई केर सुविधा मिल सकैत अछि. पनबिजली केर उत्पादन सेहो बढ़ि सकैत अछि.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?