भारत-नेपाल मे सहमति

बातचीत मे नेपाल के मंत्री भारतीय इंजीनियर... कर्मचारी के सुरक्षा के भरोस सेहो देलखिन्ह.
दिल्ली मे शरद यादव जीक घर पर भेल भेंट मे नीतीश जी प्रचंड सं कहलथिन्ह जे अगर बिहार केर शोक के नाम सं जानय जाय वाला कोसी के पानि केर प्रबंध नीक सं कएल जाए तं ई पानि दुनु देश केर लेल वरदान साबित भs सकय अछि. प्रचंड जीक सेहो कहनाय छलन्हि जे ओ अगिला दस साल मे दस हजार मेगावाट बिजली पैदा करय चाहय छथिन्ह. कोसी के पानि पर रोक लगाबय आओर प्रबंधन केर लेल 1954 मे भारत आओर नेपाल मे एकटा संधि भेल छल. ई संधि 199 साल के लेल 2153 तक अछि. नेपाल आब ओहि संधि मे समीक्षा के बात करि रहल अछि. अगर अखनो एहि पानि केर प्रबंधन नीक सं कएल जाए त एकटा बड़का इलाका मे सिंचाई केर सुविधा मिल सकैत अछि. पनबिजली केर उत्पादन सेहो बढ़ि सकैत अछि.
ye bhaasha bhi khoob rahi
जवाब देंहटाएं