नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आखिर चलल गरीब रथ


आखिर कई बेर छह -पांच भेलाह के बाद एहि बेर गरीब रथ चलि पड़ल. रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव जी जयनगर मे जयनगर-निजामुद्दीन गरीब रथ ट्रेन संख्या 2569 के झंडा दिखा रवाना कएलखिन्ह. एहि अवसर पर केन्द्रीय गृह राज्य मंत्री शकील अहमद रेलमंत्री के मखाना केर माला आओर मिथिला पेंटिंग दs स्वागत कएलखिन्ह. समारोह मे केन्द्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री मो. अली अशरफ फातमी आओर सांसद देवेन्द्र यादव सेहो मौजूद छलाह. गरीब रथ शुरू मे सप्ताह मे दु दिन चलत. जयनगर सं ई सोम आओर शुक्र दिन जखन कि निजामुद्दीन दिल्ली सं मंगल आओर शनि दिन चलत. एहि ट्रेन सोलहों डिब्बा एसी अछि. गरीब रथ जयनगर सं 12.10 मे खुलि 14.20 मे दरभंगा पहुंचत. दरभंगा मे पांच मिनट रुकला के बाद 14.25 मे खुलत आओर 1900 बजे पटना पहुंचत. फेर पटना सं सवा सात बजे खुलला के बाद अगिला दिन भोर मे 08.40 मे हजरत निजामुद्दीन स्टेशन दिल्ली पहुंचत. जखन कि निजामुद्दीन सं 1650 सांझ मे खुलि भोर मे 0600 बजे पटना पहुंचत. पन्द्रह मिनट पटना मे रुकला केर बाद सवा छह बजे एहिठाम सं खुलत आ 1105 बजे दरभंगा पहुंचत. दरभंगा सं 1110 मे खुलि 1330 मे जयनगर पहुंचत. अखन जयनगर सं पटना तक ई ट्रेन विशेष गाड़ी के रूप मे चलत. मिथिला के लोक के बड़ दिन सं एहि गाड़ी के इंतजार छल. एकरा नहिं शुरू भेला सं लोक के जेना छटपट्टी जकां लगि गेल छलन्हि. आब एहि ट्रेन सं लोक के बड़ सुविधा होएत.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु