जयनगर सं रांची के लेल ट्रेन


मिथिलांचल केर लोक के लेल एकटा नीक खबर ई अछि जे आब रांची के लेल सेहो ट्रेन शुरू होबय जा रहल अछि. शुरू मे ई ट्रेन पूजा स्पेशन के नाम सं चलत बाद मे एकरा नियमित कs देल जाएत. रांची सं ई ट्रेन जयनगर के लेल ट्रेन संख्या 0825 के नाम सं चारि आओर 11 अक्तूबर केर चलत. इहे ट्रेन 0826 बनि कs पांच आओर बारह अक्तूबर के रांची के लेल रवाना होएत. मिथिलांचल के बड़ लोक रांची... झारखंड मे रहय छथिन्ह. आब सीधा जयनगर...दरभंगा मे चढु आओर रांची मे उतरु.
एकरे संग एकटा खबर ई अछि जे सकरी- बिरौल के बीच रेल सं संबंधित सभ काज पूरा भs गेल अछि आ जल्दीए एहि रूट पर ट्रेन के चलनाय शुरू होएत. बरसात खत्म भेलाह पर सकरी आओर झंझारपुर के बीच बड़ी लाइन के काज सेहो शुरू होएत. संगहि संग झंझारपुर मे कमला नदी पर नबका रेल पुल बनाबय के काज केर सेहो श्रीगणेश कएल जाएत.
अखन दरभंगा सं समस्तीपुर के बीच सिंगल लाइन होए के कारण क्रासिंग पर ट्रेन के काफी देर तक खाड़ होए पड़ैत अछि. एकरा ध्यान मे रखैत लाइन के दोहरीकरण कएल जाएत. शुरू मे थलवारा सं रामभद्रपुर के बीच काज कएल जाएत. एकर बीच मे पड़य वाला सात टा पुल के सेहो नबका बनाएल जाएत.



Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा