गाम मे खुलत एटीएम

आब गाम मे सेहो बैंक के एटीएम खुलत. एहि सं दिन-राति...चौबीसों घंटा मे जखन मन चाहय पाई निकालय के सुविधा रहत. मुदा गाम मे खुलय वाला एटीएम मशीन शहर सभ मे अखन जे बैंकक एटीएम अछि ओकरा सं अलग होएत. एहि एटीएम मशीन के बायोमेट्रिक एटीएम मशीन कहल जाइत अछि. एहि एटीएम सं कम पढ़ल लिखल आ एकदम सं नहिं पढ़ल लिखल लोक के सेहो पाई निकालय मे कोनो दिक्कत नहिं होएत. एहि मे गाम घर के कम पढ़ल लिखल लोक के सुविधा के लेल ऑडियो सिस्टम सेहो लागल रहत. जाहि सं मिलैत निर्देश सं लोक पाई आसानी सं निकालि लेथिन्ह. जेना- जेना आवाज आएत ओना-ओना करैत रहुं बटन दबाबैत रहुं ...पाई... कड़कड़ौआ नोट अहांक सामने आबि जाएत. एकर शुरुआत पंजाब नेशनल बैंक कs रहल अछि. शुरू मे 12 टा पंजाब नेशनल बैंक मे ई मशीन लागत. ई एटीएम मधुबनी जिला के राजनगर... मधेपुर... बेनीपट्टी... बाबूबरही... अंधराठाढी मे आओर समस्तीपुर जिला के वारिसनगर... मुंगेर जिला के हवेली खडगपुर... सुपौल जिला के बसबिटी आओर सिमरी... सहरसा जिला के गरोल... कटिहार के बरेथा आओर बेगूसराय के सकरपुरा बैंक मे लागत. दु मास मे ई काज पुरा कs लेल जाएत. उम्मीद अछि नया साल मे गाम घर मे सेहो बैंक सं पाई निकालय केर अंदाज बदलि जाएत.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

हमर विआह-9