नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गाम मे खुलत एटीएम

आब गाम मे सेहो बैंक के एटीएम खुलत. एहि सं दिन-राति...चौबीसों घंटा मे जखन मन चाहय पाई निकालय के सुविधा रहत. मुदा गाम मे खुलय वाला एटीएम मशीन शहर सभ मे अखन जे बैंकक एटीएम अछि ओकरा सं अलग होएत. एहि एटीएम मशीन के बायोमेट्रिक एटीएम मशीन कहल जाइत अछि. एहि एटीएम सं कम पढ़ल लिखल आ एकदम सं नहिं पढ़ल लिखल लोक के सेहो पाई निकालय मे कोनो दिक्कत नहिं होएत. एहि मे गाम घर के कम पढ़ल लिखल लोक के सुविधा के लेल ऑडियो सिस्टम सेहो लागल रहत. जाहि सं मिलैत निर्देश सं लोक पाई आसानी सं निकालि लेथिन्ह. जेना- जेना आवाज आएत ओना-ओना करैत रहुं बटन दबाबैत रहुं ...पाई... कड़कड़ौआ नोट अहांक सामने आबि जाएत. एकर शुरुआत पंजाब नेशनल बैंक कs रहल अछि. शुरू मे 12 टा पंजाब नेशनल बैंक मे ई मशीन लागत. ई एटीएम मधुबनी जिला के राजनगर... मधेपुर... बेनीपट्टी... बाबूबरही... अंधराठाढी मे आओर समस्तीपुर जिला के वारिसनगर... मुंगेर जिला के हवेली खडगपुर... सुपौल जिला के बसबिटी आओर सिमरी... सहरसा जिला के गरोल... कटिहार के बरेथा आओर बेगूसराय के सकरपुरा बैंक मे लागत. दु मास मे ई काज पुरा कs लेल जाएत. उम्मीद अछि नया साल मे गाम घर मे सेहो बैंक सं पाई निकालय केर अंदाज बदलि जाएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु