इन्द्रपूजा केर धूम

मिथिलाक किछ इलाका मे आई काल्हि इंद्रपूजा केर धूम अछि. कोसी केर बाढ़ि के कारण ओना एहि बेर उत्साह किछ कम अछि. दरभंगा राज कैम्पस... मधुबनी बाजार... राजनगर... झंझारपुर... बासोपट्टी कईठाम जोरशोर सं इंद्रपूजा भs रहल अछि. इंद्रपूजा केर शुरुआत शुक्रदिन 12 तारीख के भेल आ ई रवि दिन 21 सितम्बर तक चलत. दरभंगा मे पहिने बड़ धूमधाम सं होइत छल मुदा आब कहि सकय छी एकटा औपचारिकता टा निभाएल जाएत अछि. मुदा मधुबनी...राजनगर मे अखनो लोक मे उत्साह देखल जा सकैत अछि. पूरा बाजार बिजली... बत्ती... झालर रंग बिरंगा पताका... दोकान सभ सं चमकैत रहैत अछि. इंद्रपूजा मे दूर -दूर सं लोक सभ आबैत छथिन्ह. पूजा केर तैयारी मास-दू मास पहिने सं भs जाएत अछि. भरि पूजा रंगीनी बनल रहैत अछि. मेला मे ऑर्केस्ट्रा... थियेटर... मौत केर कुआं... लक्ष्मण झूला... मीना बाजार... नाच गान सभ के व्यवस्था कएल गेल अछि. राजनगर के लाइब्रेरी मे बड़का स्तर पर पूजा केर आयोजन कएल जाइत अछि. एहिठाम भरि पूजा चौबीसों घंटा भीड़ लागल रहैत अछि. बाजार सजल रहैत अछि. एहि बेर सेहो नाच-गान सं लs क मनोरंजन के नीक इंतजाम कएल गेल अछि.


Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

हमर विआह-9