हेलो मिथिलावासी...


कोसी केर कहर सं मिथिलाक एकटा बड़का हिस्सा कराहि रहल अछि. अखनो बड़ लोक एहन छथिन्ह जिनका कोनो राहत नहिं मिललन्हि अछि. बांध टूटला केर अतेक दिन बितला केर बादो अखनो हुनका खाय पिबय लेल किछ नहिं मिललन्हि अछि. अहां सभ सं आग्रह अछि जे अहां सभ ओहन लोक केर दुख... व्यथा... कष्ट केर हेलो मिथिला केर माध्यम सं दुनिया केर सामने लाबय केर कोशिश करु जाहि सं बेसि सं बेसि लोक हुनका सभक मदद लेल जुटटा. अहांक पास बाढ़िक कोनो फोटो होय... किनको संदेश देबाक होय... हमरा पास भेजु हम ओकरा एहि ठाम राखि दुनिया केर सामने लाबय के कोशिश करब. दुनिया भर मे सैकड़ों... लाखों एहन लोक छथिन्ह जे मदद के लेल आगां अएथिन्ह. बस हुनका सभ के केवल पता चलय के देरी छनि. त देर नहिं करु जे संदेश...फोटो... लेख... आपबीती अछि भेजु. हेलो मिथिला ओकरा सभ लोक केर सामने लाबय केर प्रयास करत...एनजीओ... प्रशासन ... सरकार के प्रतिनिधि सेहो देखथिन्ह... देखि कs ओहि परेशानी केर दूर करय के कोशिश करताह.
अहां एहि ईमेल पर अपन संदेश...फोटो...लेख भेजु...

hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)