जयनगर-दिल्ली गरीब रथ 29 सं

दरभंगा-सीतामढ़ी के बीच 29 तारीख सं ट्रेन चलय लागत

जयनगर - दिल्ली गरीब रथ 29 सितम्बर सं चलनाय शुरू होएत. एहि सं पहिने गरीब रथ के चलनाय दु बेर टलि चुकल अछि. एक बेर संसद मे अविश्वास प्रस्ताव केर कारण रेल मंत्री लालू प्रसाद यादवजी के व्यस्त भs गेलाह सं आ दोसर बेर कोसीक बाढ़ि केर कारण. उम्मीद कएल जाए जे एहि बेर सभ किछ कुशल रहय. किछ भांगट नहिं होय. अगर सभ किछ नीक रहत त रेल मंत्री जी 29 तारीख के जयनगर स्टेशन पर झंडा दिखा गरीब रथ के रवाना करथिन्ह. एहि अवसर पर दरभंगा... मधुबनी के सभ पैघ नेता सभ सेहो मौजूद रहताह. ई ट्रेन शुरू भेलाह सं जयनगर ... मधुबनी... दरभंगा केर संग पूरा मिथिला के लोक सभ के दिल्ली आबय जाय मे सुविधा होएत. एहि ट्रेन के सभ बोगी एसी अछि. स्लीपर के भाड़ा मे राजधानी केर मज़ा.
एहि दिन रेल मंत्री सीतामढ़ी स्टेशन पर बड़ी लाइन के उद्घाटन कs सीतामढ़ी सं दरभंगा के बीच ट्रेन के चलनाय शुरू करथिन्ह. लालू जी झंडा दिखा कs दरभंगा केर लेल गाड़ी रवाना करथिन्ह. छोटी लाइन के बड़ी लाइन मे बदलय के कारण एहि रुट पर पिछला छ मास सं ट्रेन बंद छल.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा