Patna me NIFT


पटना में बनय वाला नेशनल इंस्टीच्यूट ऑफ फैशन टेक्नालॉजी...निफ्ट के लेल सरकार 58 करोड़ 65 लाख रुपए के मंजूरी दए देलक अछि. ई पाई तीन साल मे मकान बनाबय आओर पढ़ाई लिखाई के विभिन्न मद मे खर्च कएल जाएत. नेशनल इंस्टीच्यूट ऑफ फैशन टेक्नालॉजी...निफ्ट के लेल सरकार पहिनहि पटना के पास मीठापुर में दस एकड़ जमीन दए देने अछि. ई जमीन कृषि विभाग केर खाता सं देल गेल अछि. एहि ठाम कइटा विषय में बैचलर के डिग्री देल जाएत. डिग्री के लेल केंद्र सरकार सं मंजूरी सेहो मिलि गेल अछि. निफ्ट के लेल एकेडमिक प्रोग्राम सेहो तय करि देल गेल अछि. बैचलर ऑफ फैशन टेक्नालॉजी इन डिजाइन मे फैशन डिजाइन... एक्सेसरी डिजाइन... टेक्सटाइल डिजाइन आओर कम्युनिकेशन डिजाइन के अलग- अलग चारि सालक कोर्स के मान्यता देल गेल अछि. एकरे संग बैचलर ऑफ फैशन टेक्नालॉजी इन एपरेल प्रोडक्शन के लेल दु सालक कोर्स सेहो होएत.
पटना मे खुलय वाला ई निफ्ट के नौवां ब्रांच अछि. एहि सं पहिने दिल्ली के अलावा मुम्बई... बंगलौर... चेन्नई... हैदराबाद... कोलकाता... कुन्नुर आओर रायबरेली मे सेहो निफ्ट केर पढ़ाई भs रहल अछि. जल्दीए निफ्ट के ब्रांच शिलांग आओर भोपाल में सेहो खुलत. पटना मे एहि साल सं पढ़ाई सेहो शुरू भs जाएत. फिलहाल एकर पढ़ाई केर लेल अस्थायी व्यवस्था कएल गेल अछि.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ