नालंदा मुक्त विश्वविद्यालय....Nalanda Open University केर अध्ययन केन्द्र दरभंगा मे सेहो खुलि गेल अछि. अध्ययन केन्द्र एमएआर संस्कृत कॉलेज मे खुलल अछि. एहि अध्ययन केन्द्र... स्टडी सेंटर मे बीएड के छोड़ि सभ विषयक पाठ्यक्रमक लेल एडमिशन शुरू भ गेल अछि. एहि ठाम अहां 91 पाठ्यक्रम के लेल एडमिशन करा सकय छी. ओपेन यूनिवर्सिटी मे नालंदा ओपेन यूनिवर्सिटी के फीस सभस कम अछि. एकर संग एहि यूनिवर्सिटी के एकटा बड़का गप्प ईहो अछि जे एहिठाम महिला सभ के फीस मे 25 प्रतिशत के छूट सेहो मिलैत अछि. चूंकि ई स्टडी सेंटर संस्कृत कॉलेज मे खुलय अछि ताहि लेल संस्कृत केर विद्यार्थी सभ सेहो व्यावसायिक पाठ्यक्रम मे नाम लिखा फायदा उठयताह. एहि विश्वविद्यालय के स्टडी सेंटर मुजफ्फरपुर... मोतिहारी... सीवान... बेतिया आओर समस्तीपुर मे पहिने सं अछि. दरभंगा मे इंदिरा गांधी नेशनल ओपेन यूनिवर्सिटी... IGNOU के स्टडी सेंटर सेहो अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
ekta aar khuskhabri
ReplyDelete