Skip to main content

Mithila... Janakpur Aur Nepal


[ मिथिला जनकपुर आओर नेपाल ]

हेलो मिथिला के एकटा पाठक फोन कएने छलाह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे मिथिलाक एहि ब्लॉग मे दु ठामक जानकारी जरूर होबाक चाही... जनकपुर आओर सीतामढ़ीक. हम कहलिएन्हि बेस एकरा बारे मे हम जरूर लिखब. त शुरू करय छी जनकपुर सं. जनकपुर नेपाल मे अछि. ओना दुनु ठाम जाए के सौभाग्य मिलल अछि. मुदा जनकपुर गेलाह बीस साल सं बेसि भेल. सीतामढ़ी गेलाह सेहो आठ-नौ साल भs गेल. सीतामढ़ी केर बारे मे अगिला बेर लिखब. जनकपुर मे हमर जान-पहचान के कइटा लोक रहय छथिन्ह. जनकपुर आओर एकर आसपास कइटा रिश्तेदारी अछि. सभ के अपन-अपन बिजनेस छन्हि. पहिने हुनका सभ सं मिलय लेल... शुभ काज मे शामिल होए लेल जाइ छलहुं. हमर बुआजी... चचेरी बहिन सेहो एम्हरे रहय छथिन्ह. हमर ननिहाल... मामा गाम सेहो नेपाल मे अछि... रौटहट जिला. नेपालक पूर्व प्रधानमंत्री कोइराला के गृह जिला अछि रौटहट.

जनकपुर कहल जाए त सीता माता लs क दुनिया भर मे प्रसिद्ध अछि. सीता जी के माता जानकी के नाम लं सेहो जानल जाइ छनि. जनकपुर राजा जनक विदेह के राजधानी छल. राजा जनक के पुत्री छलीह माता जानकी. बचपन मे माता जानकी शिवजी के विशाल धनुष के उठा लेने जकरा बाद राजा जनक प्रतिज्ञा कएने छलाह जे... जे वीर एहि धनुष के उठा लेताह सीता जी के विआह हुनके संग होएत. एहि लेल स्वयंवर भेल. कइटा वीर राजकुमार... चक्रवर्ती राजा एहि धनुष के उठाबय के बात त छोडु कनिओ टसकाओ नहिं सकलाह. एहि स्वयंवर मे अयोध्या के राजकुमार दशरथ नंदन रामचन्द्र जी आओर लक्ष्मण जी सेहो अपन गुरु विश्वामित्र के संग आएल छलाह. जखन राजा जनक देखलथिन्ह जे शिवजी के धनुष के केओ गोटे टसकाओ नहिं पा रहल छथिन्ह त ओ निराश भs कहय लगलाह जे लगैत अछि ई धरती वीर सं खाली भs गेल अछि. पराक्रमी लोग आब नहिं रहल. एहि बात पर मुस्कुराइत श्री रामचन्द्रजी उठैत छथिन्ह आ धनुष के उठा लैत छथिन्ह. हुनका धनुष उठाबैते चारु कात खुशी के लहर फैलि जाइत अछि. रामजी धनुष के उठएबे नहिं करय छथिन्ह प्रत्यंचा... डोरि चढ़ाबय लगैत छथिन्ह जाहि सं शिवजी के ओ धनुष टूटि जाइत अछि. धनुष के तीन टा टुकड़ा भs जाइत अछि. एकटा स्वर्ग चलि जाइत अछि... एकटा पाताल चलि जाइत अछि... जकर उपर पृथ्वी पर धनुष सागर पोखरि अछि. तेसर टुकड़ा जाहि ठाम गिरय ओ धनुषधाम के नाम सं जानल जाइत अछि. ओ जगह एहिठाम सं करीब 40 किलोमीटर दूर अछि. धनुष टूटला सं राजा जनक के प्रतिज्ञा पूरा होइ छन्हि आ ओ अपन जानकी जी के हाथ अयोध्या केर राजकुमार श्री रामचन्द्र जी के दs विआह करा दैत छथिन्ह. सीता माता के विआह के दिन अगहन शुक्ल पंचमी के एहिठाम विआह पंचमी मनाएल जाइत अछि. एकटा बड़का मेला लगैत अछि. दुनिया भर सं हजारों लोक आबय छथिन्ह. एकर संग एहिठाम रामनवमी ...चैत्र शुक्ल नवमी आओर जानकी नवमी... बैशाख शुक्ल नवमी के सेहो भारी मेला लगैत अछि.

एहि
ठाम भगवान राम आओर माता जानकी के भव्य मंदिर अछि. एहिठामक जानकी मंदिर के बारे मे कहल जाइत अछि जे एकरा भारत के ठीकमगढ़ के महारानी 1911 मे बनौले छलखिन्ह. एहि मंदिर मे माता सीता... रामजी के संग भरत... शत्रुघ्न जीक मूर्ति सेहो छनि. बड़ा भव्य मंदिर बनल अछि. मन के असीम शांति मिलैत अछि एहिठाम. एहिठाम अएला के बाद कतोहुं आओर जाए के मन नहिं करैत अछि. मंदिरक ऊपरका मंजिल सं जनकपुर शहर के झलक देखि सकय छी.
लोक सभ के एहिठाम देखय वाला स्थान मे जानकी मंदिर... राम मंदिर... संकटमोचन मंदिर... रामसीता विआह मंडप... धनुषसागर अछि. राम मंदिर मे रामनवमी के भारी भीड़ जुटैत अछि. ई मंदिर 1882 मे बनाएल गेल छल. एहि मंदिर के बगल मे अछि धनुषसागर. जनकपुर मे एहन कइटा पोखरि अछि जकर एहिठामक लोक के अनुसार धार्मिक महत्व अछि. जनकपुर मे जानकी मंदिर के बाद देखय वाला स्थान मे रामजानकी विआह मंडप भव्य स्थल अछि. नेपाली स्टाइल मे एकर निर्माण कएल गेल अछि. शीशा के बनल एहि मंडपस्थल सं बाहर के दृश्य बड़ नीक लगैत अछि. जानकी मंदिर के पास बनल एहि मंडप के बारे मे कहल जाएत अछि जे एहिठाम रामजी आओर सीताजी के विआह भेल छलन्हि.
जनकपुर आबय वाला लोक सभ संकटमोचन मंदिर सेहो जरूर जाए छथिन्ह. कहल जाइत अछि जे एहिठाम माथा टेकला सं लोक के सभ दुख संकट दूर भs जाइत अछि. जनकपुर आबय वाला लोक सभ एहिठाम जनकपुर सं जयनगर तक चलय वाला लोकल ट्रेन के सेहो देखय छथिन्ह. ओना ई ट्रेन बड़ धीरे चलैत अछि. बैसल- बैसल मन परेशान भs जाइत. हम एक बेर एहि सं जयनगर सं जनकपुर गेलहुं तं चारि घंटा लागल रहय. जखन कि जयनगर सं जनकपुर सिर्फ 29 किलोमीटर दूर अछि. ट्रेन से पहिने अहां साइकिल सं जनकपुर पहुंच सकय छी. जनकपुर अहां जयनगर के अलावा मधवापुर...मटिहानी...जलेश्वर आओर... सीतामढ़ी काकरभिट्टा दs क सेहो जा सकय छी. जयनगर त आब सीधा पटना... दिल्ली ... कोलकाता सं जुड़ि गेल अछि. ताहि जनकपुर जाए मे कोनो दिक्कत नहिं होएत जयनगर स्टेशन सं जनकपुर के ट्रेन मिलि जाइत.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर