Inter pareeksha me Maithili


[ इंटर परीक्षा मे मैथिली ]

बिहार मे इंटर के पाठ्यक्रम आब सीबीएसई पैटर्न पर लागू कs देल गेल अछि. एहि पैटर्न मे पांच सय अंक के पाठ्यक्रम होएत अछि. जाहि मे 100 नंबर के राजभाषा के पाठ्यक्रम अनिवार्य कएल गेल छल. मुदा एहि पर विरोध भेलाह के बाद आब 100 नंबर के तीन भाग मे बांटि देल गेल अछि. आब अनिवार्य विषय के रूप मे 50 नंबर के राष्ट्रभाषा आओर 25 नंबर के अंग्रेजी रहत . एकर बाद बचल 25 अनिवार्य नंबर मे अहां मैथिली... उर्दू... बंगला मे से जे लेबय के अछि ओकरा राखि सकय छी. मैथिली... उर्दू... बंगला के अनिवार्य भाषा मे शामिल नहिं कएला पर विपक्ष सभ खूब हल्ला-गुल्ला कएलखिन्ह. तखन ई फैसला कएल गेल अछि. ई फैसला चालू शैक्षणिक सत्र सं लागू भs गेल अछि. एहि सं पहिने सीबीएसई पैटर्न पर परीक्षा नहिं भेलाह के कारण आ सत्र के लेट होएला के कारण कइटा छात्र बिहार सं बाहर नाम नहिं लिखा पाबय छलाह. देर सं रिजल्ट अएला... पढ़ाई के कारण विद्यार्थी सभ के साल बर्बाद भs जाइत छल. आब एहि कदम सं छात्र सभ के फायदा होएतन्हि.



Comments

  1. हमारा इ बहुते नीक लागल।

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

कि इहे सभागाछी अछि ?

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

की फेर गुंजत ओ आवाज?

मोन मिथिले मे अछि...

दरभंगा मे नवाह यज्ञ

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

जिम्मेदार के ?

इंद्रपूजा शुरू