Skip to main content

छा गेल महुआ... Chhaa Gel Mahua


एहि मास के 11 तारीख के लांच भोजपुरी के पहिल चैनल ' महुआ ' छा गेल अछि. यूपी... बिहार के तs गप्प छोड़ु दिल्ली... मुम्बई या बाहर रहय वाला भोजपुरी... मैथिली भाषी लोकक बीच ई धूम मचा देने अछि. भोजपुरी के पहिल चैनल होए के फायदा एहि चैनल के जमि के मिलि रहल अछि. ई बात नहिं छै जे सिर्फ भोजपुरी भाषा के जानय वाला लोक सभ देखि रहल छथिन्ह. एहि चैनल के यूपी... बिहार आओर एतय के बाहर रहय वाला दोसर भाषा के लोक सभ सेहो खूब चाव सं एकर कार्यक्रम सभ के आनंद लs रहल छथिन्ह.
ओना हिन्दी जानय वाला लोक सभ के भोजपुरी जानय मे बेसि दिक्कत नहिं होय छन्हि... किएक तs भोजपुरी फिल्म के लs क लोक सभ मे भोजपुरी पहिने सं बड़ लोकप्रिय अछि. मुम्बइया मायानगरी मे बनल भोजपुरी फिल्म खूब हिट सेहो रहल अछि आ पाई सेहो खूब कमाएल अछि. एहि लs क कहि सकय छी जे भोजपुरीके बाजार पहिने सं छल मुदा एकर पहचान नहिं भेल छल आ सेहो कहि सकय छी जे एकर कोई गोटा फायदा नहिं उठयलाह. महुआ लांच करय लेल महुआ मीडिया प्राइवेट लिमिटेड के प्रबंध निदेशक पीके तिवारी जी धन्यवादक पात्र छथिन्ह. हुनकर अथक प्रयास सं ई चैनल समय पर आबि गेल. एकटा नवका बाजार मे घुसय के हिम्मत करय लेल हिनका जतेक बघाई देल जाए कम होएत. किएक तs एकटा चौबीसों घंटा वाला चैनल चलानाय कोनो हंसी -मजाकक चीज नहिं अछि. करोड़ों रुपया खर्च होए छै. एहि चैनल पर शुरुआती तौर पर करीब 75 करोड़ रुपए खर्च भेल अछि. पीके तिवारी जी उत्तर प्रदेश के गाजीपुर सं छथिन्ह आ 1986 मे एकटा फिल्म न्यू दिल्ली टाइम्स सेहो बना चुकल छथिन्ह.
महुआ चैनल यूपी... एमपी... बिहार... झारखंड... उत्तराखंड... दिल्ली आओर देश- विदेश मे रहय वाला करीब 20 करोड़ लोक के टार्गेट कs शुरू कएल गेल अछि. अगर चैनल एहि टार्गेट वर्ग के अपना दिस लाबय मे सफल रहैत अछि तs ई एकटा बड़का गप्प होएत. ओना जेहि हिसाब सं अखन एहि चैनल सं लोक जुड़ल अछि ओहि सं लगैत अछि जे एहि टार्गेट के पूरा कए लेल जाएत. मुदा एहि के लेल समाचार सं लs क प्रोग्रामिंग तक सभ ठाम कसावट जरूरी अछि. कार्यक्रम जतेक कसल रहल ओतेक लोक जुड़ल रहत आओर लोक एहि सं जुड़ल रहय... दर्शक बनल रहय एकरा लेल कार्यक्रम मे रोचकता बनल रहय ई जरूरी अछि. लोक महुआ सं केना बान्हल रहय ई हिनका सभ के सोचय पड़तन्हि. बीचबीच मे सर्वे करा लोकक पसंद...नापसंद के जानय के कोशिश करय पड़तन्हि. ओना अखन एकर समाचार... कार्यक्रम... गीत संगीत... भोजपुरी फिल्म... धारावाहिक सभ नीक लगि रहल अछि. भ सकय अछि जे अखन नव होय के कारण लोक सभ उत्सुकतावश बेसि देखय होयथिन्ह. मुदा अगर सभ किछ नीक रहत... कार्यक्रम के गुणवत्ता नीक होएत.. प्रोडक्शन उच्च स्तरीय रहत तs लोक जुड़ल रहताह. एहि के लेक लोकक भागीदारी वाला कार्यक्रम सभ सेहो शुरू करय के जरूरत अछि जाहि सं बेसि सं बेसि लोक सीधातौर पर चैनल सं जुड़ि सकथिन्ह.. चाहे ओ फोन... ईमेल आ टॉकशो सं होय.
ई जरूर छै जे भोजपुरी चैनल बाजार मे पहिल चैनल होए के फायदा महुआ के मिलि रहल छै... मुदा चैनल के अपना तेवर बना कs रखय के जरूरत छै... ओहि मे आओर पैनापन... धार लाबय के जरूरत अछि. कनि ठंडयलौं क पाछां भs जाएब आओर दर्शक घसकनाय शुरू भs जाएत. किएक तs लाइन मे कएटा आओऱ चैनल अछि. जल्दीए दुटा आओर भोजपुरी चैनल आबय वाला अछि... हमार टीवी आओर गंगा टीवी. एकटा म्यूजिक चैनल सेहो आबय वाला अछि. भोजपुरी के एकटा म्यूजिक चैनल संगीत भोजपुरी त आबिओ चुकल अछि. महुआ के खुद अलग सं न्यूज़... फिल्म आओर म्यूजिक चैनल लाबय के विचार छै. भs सकय अ दीपावली तक हिनकर एकटा आओर चैनल लांच सेहो भs जाए. हमार टीवी... पॉजीटिव टेलीविजन लिमिटेड .... नॉर्थ ईस्ट टीवी (एनईटीवी) लsक आबि रहल अछि. ई कांग्रेस नेता मतंग सिंह जी के छनि. हमार टीवी के कामकाज देख रहल छथिन्ह कुमार संजॉय सिंह. कुमार संजॉय सिंह एहि सं पहिने एनडीटीवी आओर आजतक सं जुड़ल छलाह. जखन कि गंगा टीवी के प्रमुख छथिन्ह एस एन विनोद. विनोदजी कइटा पेपर जुड़ल रहल छथिन्ह.
चलु जे होय भोजपुरी त आबि गेल... आबिए नहिं गेल छा गेल. मिथिला आओर मिथिला सं बाहर रहय वाला मैथिल लोक सभ सेहो मैथिलीक चैनल नहिं होबाक कारणे एकरे आनंद लs रहल छथिन्ह. मैथिली मे चैनल के सेहो जरूरत अछि. आब देखल जाए जे कोन गोटा एकर भार अपना कंहा पर लै छथिन्ह. ओ ना हमरा सभ सं जहिआ कोनो तरहक मदद के जरूरत होए हम तैयार छी. मैथिली मे आधा घंटाक बुलेटिन के संग सहारा समय बिहार झारखंड के तरफ सं नीक प्रयास भेल रहय मुदा आब ई बंद भ गेल अछि. ओना नेपाल वन...टीवी लाइव पर सांझ मे मैथिलीक कार्यक्रम जारी अछि आओर अपन ओमजी खूब नीक एंकरिंग कs रहल छथिन्ह. त अपन भाषा मे सेहो कार्यक्रम आओर समाचारक आनंद लिअ. हम चलय छी. जय जय राम... जय श्री राम.




Comments

  1. maithili me ehan channel nahi khujat.

    sahara me samay mithilanchal bann bha gel ki? bar nik karykram hoit chhal, pher shuru karu ne.

    ReplyDelete
  2. bahut nik lagal ahank news collection aa parstuti.

    Dhanyabad

    Ashutosh Choudhary
    Silvassa(D&NH)
    +919825111656

    ReplyDelete
  3. Bhaut nik lagal.

    Dhanyabd

    ashutosh Choudhary
    Dadra and Nagar Haveli

    ReplyDelete
  4. aab maithili news channel ker taiyari karee.GOPAL PRASAD.CHIEF CO-ORDINATOR,WWW.mithilavihar.com.09313661375,09211309569

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर