जगन्नाथ मिश्र इंस्टीट्यूट ऑफ टेक्नालॉजी... जेएमआईटी मे जल्दीए पढ़ाई शुरू होएत. उम्मीद अछि जे एहि नवम्बर सं पढ़ाई शुरू भs जाएत. पढ़ाई शुरू करय लेल तैयारी जोर -शोर सं चलि रहल अछि. क्लास... प्रयोगशाला... वर्कशॉप सभ के काज चलि रहल अछि. एहि काज सभ के दुर्गापूजा तक पूरा भs जयबाक उम्मीद अछि. पढ़ाई- लिखाई शुरू करय के लेल जरूरी सामान... किताब... प्रयोगशाला... कंप्यूटर... बेंच-कुर्सी आ अलमारी तक सभ सामान फेर सं जुटाबय के जरूरत अछि. सरकार के तरफ सं फिलहाल दु करोड़ बत्तीस लाख रुपया मंजूर कएल गेल अछि. किताब आओर किछ दोसर सामान सभ के खरीदय के आदेश द गेल छै. उम्मीद अछि जे अगिला मास तक संयुक्त प्रवेश प्रतियोगिता परीक्षा सं पास विद्यार्थी के सूची कॉलेज के द देल जाएत. ई इंजीनियरिंग कॉलेज दरभंगा के मब्बी मे अछि. दरभंगा सं मुजफ्फरपुर जाय के रास्ता मे कादिराबाद सं निकलतहि मब्बी अछि बागमती नदी के कात मे. ई दरभंगा के अकेला इंजीनियरिंग कॉलेज छल. जाहि समय खुलल छल ताहि समय एकर बड़ नाम छल एहि ठामक विद्यार्थी सभ के जलवा दोसरे छलन्हि. आब फेर सं खुलि रहल अछि अहिठाम चहल पहल फेर बनि जाएत. ओना एहिठाम अखन विद्यार्थी सभ के हॉस्टल के सुविधा नहिं मिलतन्हि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
karnatak me 1-1 room me kollege chai, jmit ke te paigh campus chhai, okar upyog nik bat, kate din se ohina khali paral chhal
ReplyDelete