नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

जेएमआईटी मे पढ़ाई होएत शुरू

जगन्नाथ मिश्र इंस्टीट्यूट ऑफ टेक्नालॉजी... जेएमआईटी मे जल्दीए पढ़ाई शुरू होएत. उम्मीद अछि जे एहि नवम्बर सं पढ़ाई शुरू भs जाएत. पढ़ाई शुरू करय लेल तैयारी जोर -शोर सं चलि रहल अछि. क्लास... प्रयोगशाला... वर्कशॉप सभ के काज चलि रहल अछि. एहि काज सभ के दुर्गापूजा तक पूरा भs जयबाक उम्मीद अछि. पढ़ाई- लिखाई शुरू करय के लेल जरूरी सामान... किताब... प्रयोगशाला... कंप्यूटर... बेंच-कुर्सी आ अलमारी तक सभ सामान फेर सं जुटाबय के जरूरत अछि. सरकार के तरफ सं फिलहाल दु करोड़ बत्तीस लाख रुपया मंजूर कएल गेल अछि. किताब आओर किछ दोसर सामान सभ के खरीदय के आदेश द गेल छै. उम्मीद अछि जे अगिला मास तक संयुक्त प्रवेश प्रतियोगिता परीक्षा सं पास विद्यार्थी के सूची कॉलेज के द देल जाएत. ई इंजीनियरिंग कॉलेज दरभंगा के मब्बी मे अछि. दरभंगा सं मुजफ्फरपुर जाय के रास्ता मे कादिराबाद सं निकलतहि मब्बी अछि बागमती नदी के कात मे. ई दरभंगा के अकेला इंजीनियरिंग कॉलेज छल. जाहि समय खुलल छल ताहि समय एकर बड़ नाम छल एहि ठामक विद्यार्थी सभ के जलवा दोसरे छलन्हि. आब फेर सं खुलि रहल अछि अहिठाम चहल पहल फेर बनि जाएत. ओना एहिठाम अखन विद्यार्थी सभ के हॉस्टल के सुविधा नहिं मिलतन्हि.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु