बिहार मे शिक्षक बहाली

बिहार मे जल्दीए एक लाख आओर शिक्षक केर बहाली कएल जाएत. एहि लेल दोसर चरण के प्रक्रिया जल्दीए शुरू होए के उम्मीद अछि. शिक्षक बहाली के लेल एहि बेर आवेदन केर सुविधा किछ बढ़ा देल गेल अछि. आब शिक्षक केर नौकरी चाहय वाला लोकनि पंचायत स्तर के अलावा प्रखंड स्तर पर सेहो आवेदन कs सकैत छथिन्ह. नौकरी मे शिक्षा मित्र आओर वैकल्पिक शिक्षा सं जुड़ल लोक के प्राथमिकता देल जाएत. एहि बेर मेघा सूची सेहो प्रकाशित कएल जाएत. दोसर चरण मे जे करीब एक लाख बहाली होएत ओहि मे सं अस्सी हजार शिक्षक प्राथमिक स्कूल के लेल होएत. मिडिल आओर हाई स्कूल के लेल 6-6 हजार शिक्षक के भर्ती कएल जाएत. संगहि संग एहि बेर हाई स्कूल में करीब तीन हजार लाइब्रेरियन के भर्ती सेहो होएत. एकर संग शिक्षक सभ के आब पहिने सं बेसि छु्ट्टी सेहो मिलत. शिक्षक सभ के आब चिकित्सा अवकाश 12 दिन के जगह 20 दिन मिलत. महिला शिक्षक के मातृत्व अवकाश आब 90 दिन के जगह 135 दिन मिलत.


Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

मोन मिथिले मे अछि...

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

आब दूध के दाम सेहो बढ़त...