बौद्ध पर्यटन क्षेत्रक विकास


काल्हि हम गप्प करय छलहुं जे बिहारक सड़कक हाल बड़ खराब अछि. विदेशी पर्यटक सभ एतय नहिं आबय चाहैत छथिन्ह. सड़क स्थिति एतेक खराब अछि जे एहि रुट पर दु बेर अएला-गेला के बाद लगैत अछि जेना पूरा शरीर के अंजर-पंजर ढील भs गेल. चलु देर सं सही सरकार जागल अछि. सरकार बौद्ध पर्यटन क्षेत्र मे चारि लेन वाला सड़क बनाओत. शुरू मे एहि के लेल बोधगया... गया... हिसुआ... राजगीर... नालंदा... बिहारशरीफ... बख्तियारपुर के जोड़य वाला सड़क बनाओल जाएत. चारि लेल वाला एहि सड़कक लम्बाई करीब चारि सय अस्सी किलोमीटर होएत. एहि सड़कक सभस बड़का गप्प ई अछि जे एकरा लेल जापान बैंक फॉर इंटरनेशनल को-ऑपरेशन पाई देबय लेल तैयार भs गेल अछि.
एहि लेल ई जापानी बैंक सोलह सय करोड़ रुपया देत. उम्मीद अछि जे बिहार सरकार एहि परियोजना सं जुड़ल सभ जानकारी दुर्गापूजा तक बैंक के सौंप देत. ओकर बाद जे जरूरी प्रक्रिया अछि ओकरा निपटा कए सड़क बनाबय के काज अगिला साल होली सं शुरू भs जाएत. सड़क बनला सं एहि क्षेत्र के पर्यटन मे तेजी आएत.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा