
काल्हि हम गप्प करय छलहुं जे बिहारक सड़कक हाल बड़ खराब अछि. विदेशी पर्यटक सभ एतय नहिं आबय चाहैत छथिन्ह. सड़क स्थिति एतेक खराब अछि जे एहि रुट पर दु बेर अएला-गेला के बाद लगैत अछि जेना पूरा शरीर के अंजर-पंजर ढील भs गेल. चलु देर सं सही सरकार जागल अछि. सरकार बौद्ध पर्यटन क्षेत्र मे चारि लेन वाला सड़क बनाओत. शुरू मे एहि के लेल बोधगया... गया... हिसुआ... राजगीर... नालंदा... बिहारशरीफ... बख्तियारपुर के जोड़य वाला सड़क बनाओल जाएत. चारि लेल वाला एहि सड़कक लम्बाई करीब चारि सय अस्सी किलोमीटर होएत. एहि सड़कक सभस बड़का गप्प ई अछि जे एकरा लेल जापान बैंक फॉर इंटरनेशनल को-ऑपरेशन पाई देबय लेल तैयार भs गेल अछि.

No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु