नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

Bihar me rail

दुर्गापूजा... छठ के लेल टिकट मिलनाय अखने सं मुश्किल भs रहल अछि. हर साल लगन... होली... दुर्गा पूजा... छठ मे गाम घर जनाय एकटा यज्ञ करनाय जकां भs गेल अछि. टिकटक मारामारी... टिकट कटला पर गाड़ी मे चढ़य लेल मारामारी. स्टेशन पर भीड़क ई हाल जे कई बेर त लोकक भीड़ देखि स्टेशने सं डेरा घुमि जयबाक मन करैत रहैत अछि. मुदा गाम जाए केर एहन लालसा रहैत अछि जे पचासो कष्ट सहि गाड़ी पर बोरा... चट्टी जकां लदि जाए छी. एना नहि छै जे एहन स्थिति सभतर के गाड़ी के छै. ई स्थिति यूपी... बिहार जाय वाला गाड़ीए के अछि. एक तs गाड़ी कम ओहि पर बिहार के नाम पर सभ सं कंडम गाड़ी देल गेल अछि. दोसर लाइन सं हटाओल गेल गाड़ी. एसीओ डिब्बा में जाएब त ओकर हाल देख कानय के मन करत. जेना- तेना कs गाड़ी खुलिओ जाएत त कखनो काल लागत एहि सं नीक बैलगाड़ी... जतए रुकत रुकले रहत. क्रासिंग... भैकम... चेन पुलिंग... त सिग्नल नहिं होनाय ई सभ परेशानी रोज के बात जकां भs गेल अछि. दोसर लाइन नहिं बनाएल गेल अछि. एहि कारणे क्रासिंग में बेसि समय बिति जाएत अछि आ आबय जाय में समय सेहो बेसि लगैत अछि.
ओना बिहार सं कइटा रेल मंत्री भेला मुदा ओ हो-हल्ला के डर सं बिहार सं बेसि दोसरे राज्य पर ध्यान देलथिन्ह. ओ ई सोचिते रहलाह जे कोइ गोटा ई नहिं कहय जे फलां मंत्री जी दोसर राज्य के संग पक्षपात कs रहल छथिन्ह. ओ अनुपात बिठाबय लगला जे सभ के बराबर हिस्सा मिलय . लेकिन ओ ई नहिं देखलखिन्ह जे दोसर राज्य में पहिनहिं सं बेसि विस्तार भेल अछि. ओहि ठाम पहिनहिं सं रेलक जाल बिछल अछि. मेल... एक्सप्रेस आ राजधानी जका सुपरफास्ट ट्रेनक लाइन लगल अछि.
चलु देर सं सही आब स्थिति में किछ सुधार भs रहल अछि. एकर कारण बिहारी लोक सभ के जागरूक होनाय सेहो अछि. लोकतंत्र मे जखन तक हल्ला नहिं करब अहां के कोई नहिं सुनत. एहि भीड़तंत्र मे ओकरे सुनल जाइ छै जकर आवाज सभ सं तेज होएत अछि... जे जतेक जोर सं बोलैत अछि. जखन तक हल्ला नहिं करब...शोर नहिं मचायब लोक अहांक तरफ ध्यान नहिं देत. जतेक कुदब ओतेक लोक अहांके पकड़य लेल अएताह. अहि लेल अगर कोनो काज करबाबय के अछि... विकासक काज चाहैय छी. त एतेक जोर सं बोलय पड़त जे आवाज दिल्ली तक पहुंचय. संसद मे बैसल मंत्री जी के सुनाय दय... अहांक चुनल सांसद जी के सुनाय दय. ओ एसी कमरा में रहय छथि. हुनका कान में आवाज जाय एहि के लेल सभ गोटे के मिलि एक स्वर में बोलय पड़त. नहिं त बैसल रहुं जेहिना अखन तक चलैत आ रहल अछि चलैत रहत. ओ त लालू जी विधानसभा चुनाव हारि गेलाह अ केन्द्र मे मंत्री बनि गेलाह त नीतीश जी के देखि हुनको विकासक महत्व बुझाय पड़लन्हि. नहिं त 15 सालक शासन मे राज्य के भट्टे बैसाह देने छलाह. आब रेल मंत्री बनला पर काज कs रहल छथिन्ह. काज कए नहिं रहल छथिन्ह ओ नीक काज कs रहल छथिन्ह. एहिना विकासक काज ओ आओर राबड़ी देवी अगर अपन शासन काज मे बिहार मे कएने रहताह त अखन बिहारक विकासक तस्वीर किछ आओर रहैत. चलु जखने उठलौं तखने सबेरा. आबो अगर नीक काज होएत त विकासक बयार बहि चलत.
आब खबर अछि जे बिहारक लेल जतेक रेल परियोजना के घोषणा कएल गेल अछि ओकरा सभ के दु हजार ग्यारह ( 2011 ) साल तक पूरा कए देल जाएत. एहि मे छपरा... मधेपुरा के रेल कारखाना के काज सेहो शामिल अछि. पटना स्टेशन के विश्वस्तर के स्टेशन बनयबाक काज सेहो चलि रहल अछि. एकरे संग नालंदा के हरनौत मे रेल कोच मेंटेनैस वर्कशॉप अगिला साल तक पूरा करि लेल जाएत. देखल जाए काज समय पर पूरा होएत अछि कि नहिं. उम्मीद त कs रहल छी जे भs जाएत. अहुं सभ सेहे उम्मीद करु. आओर अपना दिसक... गाम घरक समस्या परेशानी के उठाउ... अपन प्रतिनिधि...विधायक... सांसद महोदय के कान मे दिऔ. काज देर सबेर जरूर होएत. उम्मीद पर दुनिया कायम अछि.

1 टिप्पणी:

  1. Bad nik aaha ke ee kaj lel bahu - bahut badhai.khoob man gad - gad bha gail. aaha enahi mithila ke naam raushan karu.
    prahalad kumar[Kilu]
    darbhanga, bihar
    mob:-9431414202

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु