Bihar me naukree


[ बिहार मे नौकरी ]

बिहार मे जल्दीए बड़का स्तर पर सरकारी नौकरी वैकेंसी निकलय वाला अछि. किछ दिन पहिने त मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी कहनेहे छलखिन्ह जे करीब एक लाख शिक्षक के बहाली कएल जाएत. आब एकरे संग- संग डॉक्टर... इंजीनियर... सचिवालय सहायक... लाइब्रेरियन... दरोगा के बहाली कएल जाएत. ई नहिं अछि जे सभ के वैकेंसी एकहि संग निकलत एहि मे आगां-पाछां भ सकैत अछि. मुदा अगिला साल लोकसभा चुनाव के देखैत लगए अछि एकरा सभ के जल्दीए निपटा देल जाएत. स्वतंत्रता दिवस के भाषण मे मुख्यमंत्री जी एकर जिक्र सेहो कएने रहथिन्ह. सरकारी विभाग सभ के कहि देल अछि जे हुनका कतेक लोक के जरूरत छन्हि ओ बता देथिन्ह. ओकरे अनुसार नौकरी के विज्ञापन निकालल जाएत. कुल मिला कs पौने दु लाख नौकरी के विज्ञापन निकलय के उम्मीद अछि. डॉक्टर... पशु चिकित्सक... इंजीनियर... जूनियर इंजीनियर... कृषि विशेषज्ञ... कृषि सलाहकार... ब्लॉक मे सर्किल इंस्पेक्टर... पुलिस... दरोगा सभ के बहाली बड़ दिन सं बांचल सेहो अछि. एकरे संग-संग इहो देखय के छै जे पिछला दिन बिहार मे आईआईटी... निफ्ट के संग कइटा संस्थान शुरू भेल अछि आ कइटा शुरू होए वाला अछि. ओकरा सभ के लेल सेहो लोक चाहि. त ओकरा सभ के लेल सेहो नियुक्ति होएत. त जुटि जाउ जोर-शोर सं प्रतियोगिता परीक्षाक तैयारी मे. कोनो समय आवेदन देबय के लेल विज्ञापन निकलि सकय अछि. पिछला बेर जखन टीचर के बहाली के निकलल छल त हमरा गाम के सभ बैसार लड़का सभ ओहि मे चुना गेल छलाह. गामक सभ बेरोजगारी दूर भs गेल. एहि बेर अहां सभ सेहो उम्मीद करु जे अहुं के गाम मे कोनो लोक बेरोजगार नहिं रहताह.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

ऑर्कुट-मैं हूं ना

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश