नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

Hi-fi banat gaon

एकटा नीक खबर अछि. पता लागल अ जे सहरसा के नवहट्टा गाम के एकटा अप्रवासी भारतीय... एनआरआई गोद लs लेलखिन्ह अ. एनआरआई के गोद लेना के बाद एहि गामक तस्वीर बदलनाय शुरू भs गेल अछि. सहरसा के नवहट्टा गाम के इलाका कोशी नदी के जद में आबय छै. हर साल एहि ठामक लोग के बाढ़िक परेशानी सं दु चारि होबय पड़ैत छन्हि. बाढि एहि ठामक लोक के लेल तबाही लs क अबैत अछि. कोशी नदी के आस पास बसल गाम घर... इलाका पिछड़ल अछि. विकासक दरस नहि होएत अछि. इंफ्रास्ट्रक्चर के मामला होय...या दोसर विकासक... हर क्षेत्र में पिछड़ल अछि. पिछड़ापन के लेल अपन नेता सभ सेहो जिम्मेदार छथिन्ह जे केवल वोट लेबय जानय छथिन्ह ...काज करय के नहि. दोसर राज्य में जाउ. गाम...घर चमचम करैत रहैत छै...चौबीसों घंटा बिजली... टेलीफोनक सुविधा घोड़ा- गाड़ी के सुविधा. गली- गली में पक्की सड़क. अपना दिस शहर में सेहो टुटल सड़क मिलत. पता नहिं चलत कतs गड्डा छै आ कतs सड़क.
एहि सभ के बीच अगर कोनो एनआरआई एहन हिम्मत कएलाह अ त हुनकर जतेक तारीफ कएल जाए कम होएत. ई त आओर एनआरआई के लेल प्रेरणाक गप्प अछि. खबर अछि जे सभ सं पहिने गाम में एकटा मंदिर बनाबल जा रहल अछि ओकर बाद एकटा इंजीनियरिंग कॉलेज सेहो खोलल जाएत. एहिठामक पेपर मिल के फेर सं सेहो चालू करय के बात छै. अगर ई सभ सच में होएत तं इलाका में विकासक रफ्तार तेज होएत आओर देखादेखि दोसरो इलाका में विकासक काज होएत.

2 टिप्‍पणियां:

  1. हितेन्द्रजी,

    गुजरातमे एहि तरहक गोद लेल गाम सैकड़ाक संख्यामे भेटि जायत, चलू अपम मिथिलामे एकर प्रारम्भ तँ भेल।

    গজেন্দ্র ঠাকুব
    http://www.videha.co.in/

    जवाब देंहटाएं
  2. logon ki false publicity main aap jaise log hi yogdan deten hain, yadi sahi baat jaanna hai to wahan ke logon se poochen.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु