जयनगर-समस्तीपुर के बीच सवारी गाड़ी

जयनगर -समस्तीपुर के बीच जल्दीए एकटा आओर सवारी गाड़ी शुरू भ रहल अछि. अखन एहि रुट पर गाड़ी के बड़ दिक्कत अछि. दु टा गाड़ी के बीच चारि-चारि...पांच-पांच घंटा के समय अछि. एकटा गाड़ी छुटल नहिं कि इंतजार करैत रहुं. मधुबनी जिला के लोक सभ के जिला मुख्यालय आओर दरभंगा आबय -जाय लेल भारी परेशानी के सामना करय पड़ैत अछि. बड़ी लाइन पर ट्रेन चलनाय शुरू भेला के बादो अखनो बसे के आसरा अछि. आब देखु नबका ट्रेन के टाइमिंग केहन राखल जाइत अछि. एहि के लेल लोकल यात्री सभ सं सेहो फीडबैक लेबाक चाही जे कोन समय पर गाड़ी चलानाय नीक रहत. एकरा संगे एकटा आओर खबर अछि जे लौकहा सं झंझारपुर के बीच चलय वाला 228 डाउन आब सकरी तक चलत. एहि सं सेहो इलाका के लोक सभके सुविधा मिलत. मधुबनी- राजनगर के बीच पड़य वाला मंगरपट्टी के लोक के लेल नीक खबर ई अछि जे आब मंगरपट्टी में हाल्ट बनत. एहि सं इलाका के लोक के आब बाहर जाय लेल मधुबनी आबि के ट्रेन नहिं पकड़य पड़त.

Comments

  1. हितेन्द्रजी,
    हमारा सभ दिन सोचैत छी, जे आइ हेलो मिथिलामे किछु नव अपडेट भेल होएत आकि नञि। मुदा बेशी काल कोनो ने कोनो नव न्यूज, बेशीकाल खुशखबरी अहाँ सुनाइये दैत छी।

    গজেন্দ্র ঠাকুব
    http://www.videha.co.in/

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह- 8

जय हो...

नैका बंजारा

मिथिला पंचांग

हमर विआह-9

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दिल्ली मे मधुश्रावणीक भव्य रंगारंग आयोजन, देखु फोटो

भाई बहिन केर प्रेमक पावनि सामा-चकेवा...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित