नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मास्टर साहेब आओर तम्बाकू


एकटा नवका सर्वे आएल अ. ई सर्वे चिंताक बात छै. सर्वे में कहल गेल छै जे बिहार में सय टा में से पचहत्तर टा टीचर... मास्टर साहेब कोनो न कोनो रूपे तम्बाकू के सेवन करय छथिन्ह. ई तs चौंकाबय वाला खबर छैबे छै जे जिनका ऊपर ई जिम्मेदारी छनि जे ओ बच्चा... नुनु सभ में नीक संस्कार देथिन्ह... नीक- नीक गप्प सीखयथिन्ह ओ खुद एकर सेवन कय रहल छथिन्ह. ओना बिहार में कई ठाम एकरा खराब नहिं मानल जाय छै. कई घर में मर्द-जनानी सभ गोटे के खैनी... सुपारी... पान खाइत देखल जा सकय अ. महिला वर्ग में सेहो एकर खपत बढ़ल अछि. एकर शरीर पर बड़ खराब असर पड़य छै. गर्भवती महिला के लेल तs ई आओर खतरनाक छै. देश में हर साल लाखों लोकक मौत तम्बाकू के सेवन सं होए छै. कइटा गाम में तs मास्टर साहेब विद्यार्थी सभ सं खैनी...चूना मंगाबय छथिन्ह आ पढाबय के संग- संग खैनी सेहो लगाबैत रहय छथिन्ह. कइटा विद्यार्थी सेहो खैनी के पुड़िया आ चुनौटी राख छथि.
एकटा वाक्या तs हमरो संग भेल अछि. एक बेर कॉलेज में एकटा संगि खैनी लगाs कs एक जूमि हमरा तरफ बढ़ा कहलाह लिअ खाउ. हम हुनका कहलिन्ह हम नहिं खाय छी. तs हुनकर साफ कहनाय छलन्हि जे अखन नहिं खायब तs कहिआ खायब. हमरा मना कएलाह पर ओ ओहि खैनी के सेहो अपना ठोर तर दबा गेलाह. एहिना कs एक दोसर के आदत लगय छै आओर ओ बढैत जाय छै. हर चारि टा में तीन टा शिक्षक के तम्बाकू सेवन करनाय चिंताक विषय अछि. सरकार के सेहो एहि बात के गंभीरता सं लेबय के जरूरत छै. मुदा सरकार सेहो की करत सरकार के तs टैक्स... पाई सं मतलब छै. गाम -गाम... गली- गली में शराबक दोकान खोलल जा रहल अछि. पिछला दिन एकटा खबर सेहो आएल छल जे बिहार में शराबक खपत बढ़ल अ. एहि लेल सरकार से सेहो बेसि उम्मीद नहिं कएल जा सकय अ.

1 टिप्पणी:

  1. ऎ बऊआ,
    ख़ास दरभंगे में जलम लेले छी,
    लेकिन बौउआइत ढऊआइत यूपी मे ठाम बनैले छी,
    अब त अप्पन बोली सुने के मन छछाइ अ ।
    अभ्यासो छुट गेल, आहाँ के धन्नबाद ।
    गोनू झा के कोनो किस्सा लिखू न !

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु