नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिस्फी में आईटीआई कॉलेज


बिस्फी में आईटीआई कॉलेज खुलत. बिस्फी के नई जानय छ ? बिस्फी अपन मैथिली के महिकवि विद्यापतिजीक जन्मस्थान अछि. मैथिली के आई जे ई स्थान दुनिया भर में मिलल अई ओहि में सभसं बेसि योगदान विद्यापतिजी के छैन. बिस्फी मधुबनी जिला में पड़य छै... कवि कोकिल विद्यापति जी कहने छथिन्ह देसिल बयना सबजन मिट्ठा...यानी अपन भाषा...बोली सभ सं मधुर होइछ. आओर आब हुनकर गाम बिस्फी में आईटीआई खुलत ई बड़ खुशी के बात अछि. बिस्फी हमर गाम सं कनिए दूर अछि... कई बेर जाई के मौका मिलल अछि. मुदा हुनकर डीह उपेक्षित परल अछि. चलु देर सं सही आखिरकार सरकार के नींद त खुलल.
असल में बिस्फी में एहि बुध आ गुरुवार दिन विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनायल गेल... सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल... नेता सभ अयलाह... भाषणबाजी भेल... मुदा एकटा नीक बात ई भेल जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो अयलाह... आओर अयलाह पर एहिठामक हालत देखि दुखि भेलाह . ओ कहलथिन्ह जे विद्यापति डीह के पर्यटक स्थल बनाबय लेल हर संभव प्रयास कएल जाइत. ओ कहलथिन्ह जे हम एहि पवित्र भूमि के नमन करय छी जतय कि विद्यापति जैसन महाकवि के जन्म भेल छलन्हि. अहि अवसर पर ओ सभ जाति... धर्म के लोक के हर साल विद्यापति पर्व समारोह खुब उत्साह सं मनाबय के लेल कहलथिन्ह.
अपन भाषण में मुख्यमंत्रीजी ई घोषणा कयलथिन्ह जे बिस्फी में जल्दीए आईटीआई खुलत.. एकर साथ ओ एहि ठाम विद्युत उपकेन्द्र सेहो खोलबाक बात कहलथिन्ह. विद्यापति स्मृति पर्व समारोह में मुख्यमंत्री के संग उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, पूर्व केंद्रीय मंत्री डा सीपी ठाकुर, हुकुमदेव नारायण यादव सेहो आयल छलाह. ठाकुर जी कहलथिन्ह जे ओ सभ मिलि कए मिथिलांचल आओर मैथिली के विकास के लेल प्रयाल कए रहल छथि.

ओना एकटा बात आओर छै जे बिहार के नौ जिला में जल्दीए पॉलिटेक्निक कॉलेज खुलत...ई कॉलेज मधुबनी... सीतामढ़ी... शिवहर... मधेपुरा... अररिया... सुपौल... कटिहार... पूर्वी चम्पारण आओर पश्चिमी चम्पारण जिला में खुलत. अखन बिहार में तेरह टा पॉलिटेक्निक कॉलेज अछि


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु