नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बसक आसरा...

दरभंगा-जयनगर के बीच ट्रेन सं यात्रा करय वाला लोक सभक परेशानी दूर नहिं भेल अ. रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव जखन दरभंगा सं जयनगरक बीच बड़ी लाइन के उद्घाटन कएने छलाह तं लोक सभ बड़ खुश भेल छलाह. मुदा आब स्टेशन पर बैठि कय जखन घंटों इंतजार करैत रहैत छथि त रेलवे के कोसैत रहय छथि. घंटों गाड़ी के रास्ता देखैत रहुं... आ गाड़ी छै जे आबय के नाम नहिं लैत रहय छै... गंगासागर आओर घुरियान एक्सप्रेस ज्यादातर दिन लेटे रहैत अछि. दफ्तर जाय वाला लोक सभ आओर पढाई लिखाई करय वाला छात्र लोकनि आब रेलक इंतजार करय सं बेहतर बस सं निकलि जनाय समझय छथि. स्टेशन सभ पर साफ सफाई सेहो के ओतेक सुविधा नहिं अछि.
किछ ट्रेन चलबो करैत अछि त ओकर टाइम एहि तरहे अछि जकरा बेटाइमे कहि सकय छी. चारि-चारि घंटा तक ट्रेनक कोनो दर्शन नहिं होय छै. साढ़े ग्यारह के ट्रेन छुटल त सवा चारि बजे तक इंतजार करैत रहुं... दरभंगा सं जयनगरक बीच सकरी... पंडौल... मधुबनी... राजनगर... खजौली के लोक सभ त आब ट्रेनक आसरा छोड़ि बसक यात्रा करनाय शुरू कए देलाह अछि. लोक सभक कहनाय छैन्हि जे अगर सुबह -शाम दफ्तरक समय एक-एकटा डीएमयू ट्रेन दुनु तरफ सं भ जाय त आधा परेशानी अपने आप खत्म भ जायत. मुदा रेलवे के आला एफसर सभ अहि पर ध्यान नहिं द रहल छथिन्ह.
ओना रेल मंत्री उद्घाटन के समय गरीब रथ सहित कईटा आओर नबका ट्रेन चलाबय के बात कहने छलथिन्ह. मुदा अखन तक त ओकरा शुरू होबय के कोनो संकेत नहिं मिलि रहल अछि. एहि ठामक लोक सभ एहि बारे में रेलमंत्री आओर अपन सांसद महोदय के अर्जी सेहो देलखिन्ह अ. हुनका भरोस छन्हि जे आब हुनकर सांसद महोदय रेल मंत्री पर दबाव बना किछु नब ट्रेन शुरू करबा पयताह.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु