नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अपन शहर दरभंगा

अपन शहर दरभंगा
.
पग पोखरि माछ मखान
सरस बोल मुसकि मुख पान
विद्या वैभव शांतिक प्रतीक
ललित नगर दरभंगा थीक...

आई स पन्द्रह बीस साल पहिने जखन अहां दरंभगा में प्रवेश करितौह त अहि संदेश स अहांक स्वागत होयत.. एहिमें कोनो संदेह नहि जे दरमंगा सही मायने में ललित नगर अछि... आई के भागदौड़ वाला जमाना में अखनो धरि एहिठामक लोकक चेहरा पर मुसकि देखय लेल मिल जाएत...
चिंता फिक्र सं जेतय मुक्त अहां के एतय के लोक मिलत...ओतय आओर कोनो ठामक नहि.

 आओर विद्या...पढ़ाई- लिखाई मे तं दुनिया भर में अपन परचम लहराए रहल छथिन्ह... मुदा एहि ठामक लोकक एकटा कमी ई छैन्ह जे गाम- घर... मिथिलाक चौहद्दी स निकलाह के बाद मिथिला- मैथिली के एकदम सं बिसैर जाए छथिन्ह.

राजा जनक के समय में भने मिथिलाक राजधानी जनकपुर में छल मुदा आई के समय में यदि कोनो शहर मिथिलाक राजधानी अछि तं वो अछि दरभंगा.

दरभंगा महाराजक मुख्यालय दरभंगा मे छल. दरभंगा महाराजक भवन के तं किछ कहनाइए नहि... भले राजा रजवाड़ आब नहि रहलाह हुनकर भव्य-आलिशान महल आइओ अपन सीना तानने ठाड़ अछि. दरभंगा महाराजक महलके देखबाक लेल लोक सभ दू-र दूर सं एतय आबैत छथिन्ह. ओना कइटा भवन तं आब देखरेखक अभाव मे खंडहर मे बदलल जा रहल अछि...मुदा आइओ एकर भव्यता में कोनो कमी नहि आएल अछि.

एहि ठामक लोक चाहैत छथिन्ह कि दरभंगा के पर्यटन स्थल के रूप में विकसित कएल जाय... अगर दरभंगा किला के देखल जाउ त ई देखय मे लालकिला सं कम नहि लगैत अछि... जखन तक राजा महाराजा सभ छलाह राज परिसर के... महलके... किला के देखभाल नीक सं होयत छल.

मुदा आब ओ बात नहि रहल... राज खत्म भेला के बाद आब तं राज भवन मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय आओर कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय के साथ साथ कइटा दफ्तर सभ खुलि गेल अछि... जे लोकनि राजक दौर मे राज के भव्यता देखने छथिन्ह... आजुक हाल देख कय पीड़ा महसूस कय सकैत छथिन्ह... राज परिसर में बनल काली मंदिर... मनोकामना मंदिर दर्शनीय स्थल अछि.

इंद्र पूजा के समय राज मैदान में दूर-दूर स लोक आबैत छलाह और अहि अवसर पर वो मंदिर के संगे महाराज के भव्य महल... किला के देखनाय नहि भूलैत छलाह... मुदा आब वो बात नहि रहल... आब त लागैत छै जेना सब किछु अतिक्रमण के चपेट मे आबि गेल होय.

मिथिलांचल के भव्य इतिहास के जानबाक होय त स्टेशन के बगल में बनल म्यूजियम जनाय नहिं भूलब... ओना एहि म्यूजियम अगर अहां 15-20 साल पहिने गेल होयब आओर आई जाएब त फर्क साफ दिखाय पड़त... बहुत किछु नजर नहिं आयत.

एम्हर पिछला किछ दिन-मास मे दरभंगाक नाम एकटा दोसरे कारण बदनाम होए लागल अछि. दरभंगाक नाम आंतकवादी घटना सभ सं जोड़य जाए लागल अछि. मुंबई आओर दोसर ठाम भेल विस्फोट मे दरभंगा इलाका के कइटा लोक के नाम आएल अछि. ई नीक बात नहि अछि. एहि पर हमरा सभ के मंथन करय के जरूरत अछि.

हमरा सभ के एहन कोनो काज नहि करबाक चाही जेहि सं अपन दिल दरभंगाक नाम बदनाम होए. अगर हम सभ आईओ प्रयास करि तं दरभंगा एक बेर फेर अपन पहिने वाला गरिमा अर्जित करि लेत एकरा में कोनो संदेह नहि.

2 टिप्‍पणियां:

  1. Vgkad iz;kl ljkguh; vfNA vgka eSfFkyh esa fy[kSd dksf’k’k dsygqaA fefFkykd vke yksd ds ,fg ek/;e la ifjfpr gsckd t:jr NSdA
    {Skf=; pSuy ij fefFkyk lsa tqMy dk;Zdzed t:jr NSdA
    vkuUn >k
    eks0- 9958240290

    जवाब देंहटाएं
  2. Ham Maithili film Actor chi, Maithili filmk ruchi me kanjoosi dekhi mon kharab bha jait achi. Maithili film jakhan Darbhanga me chalait chal ohi samay Mithilawasi ke udasinta dekhi mon kharab bha gel chal.Kiyek t Maithili film samaj ke naya disha deba me sgrasar ralait achi. Aai bhojpuri kata s kata chali gel aa ham (Maithili film) katay chi.

    Dinesh
    Kolkata

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु